पटना। बिहार सरकार बीतल वित्त वर्ष मे अपन कुल योजना राशि क पूरा इस्तेमाल करबा मे कामयाब रहल अछि। एहि मे सबस बेसी जोर बुनियादी ढांचा पर खर्च मे देखल गेल, जाहि मे राज्य सरकार अनुमान स बेसी खर्च केलक अछि।
उप-मुख्यमंत्री सह वित्त मंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे हम बीतल वित्त वर्ष मे अपन योजना आकार क पूरा इस्तेमाल केलहुं अछि। पहिने हमसब अपना कए 20 हजार करोड़ क स्तर पर रखने रही। हालांकि, एकरा बाद मे पुनरीक्षित करि कए 18,351 करोड़ क स्तर पर आनि नेने रही।
शुरुआती अनुमान क मुताबिक हम सब बीतल वित्त वर्ष मे 18,375 करोड़ खर्च कैल। इ बीतल सालक योजना खर्च क मुकाबला मे 30 फीसदी बेसी अछि। राज्य सरकार 2007-08 मे 9,652 करोड़, 2008-09 मे 12,510 करोड़ आओर 2009-10 मे 14,183 करोड़ योजना व्यय क रूप मे खर्च केने छल।
मोदी कहला जे हम सब विकास कार्य कए प्राथमिकता द रहल छी। राज्य सरकार पिछला वित्त वर्ष मे पथ निर्माण पर काफी जोर देलक अछि। संबंधित विभाग 4,051 करोड़ क रकम खर्च करबा मे कामयाब भ रहल अछि। एकर अलावा, ग्रामीण कार्य, ग्रामीण विकास, स्वास्थ्य, समाज कल्याण आ जल संसाधन विभाग सेहो अपन आबंटन स बेसी रकम खर्च केलक अछि।