• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार क चीनी मिल बेचबा लेल नव नुस्खा!

July 20, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । बिहार क चीनी मिल क प्रति निवेशक क बेरुखी स परेशान राज्य सरकार आब एहि मिल कए बेचबा लेल नव तरीका तकबा मे जुटल अछि। सरकारी अधिकारी मानू त आब एहि मिल आ एकर जमीन कए बिहार औद्योगिक भूमि विकास प्राधिकरण (बियाडा) क हवाले कैल जा सकैत अछि।
राज्य सरकार क एकटा वरिष्ठ अधिकारी क कहब अछि जे, बियाडा क जरिये एहि मिल कए बेचकए हम मोट रकम कमा सकैत छी। संगहि हमारा लग विकल्प सेहो कईटा होइत। एखनधरि हम सिर्फ एकटा निवेशक कए इ मिल आ जमीन द रह छी, मुदा बियाडा एहि भूमि कए कईटा निवेशक कए अलग-अलग दाम पर द सकैत अछि। एहि स हमर कमाई मे इजाफा होएत।
राज्य सरकार बिहार स्टेट शुगर कॉरपोरेशन क साल स बंद पड़ल इन मिल कए बेचबा क फैसला एहि लेल केने छल, ताकि एकर कर्मचारी कए साल स लंबित वेतन क भुगतान कैल जा सकए। राज्य क गन्ना आयुक्त जयमंगल सिंह कहला जे हिनकर वेतन क मद मे साल स टका लंबित अछि। एहि मिल कए बेचकए हम कम स कम एतबा रकम जुटेबाक इच्छा रखैत छी जाहि स हुनका सब कएबकाया द सकी। सिंह कहला जे हम एहि चीनी मिल कए बेचबा लेल तीन चरण मे बोलि मंगेलहू। पहिल चरण मे 15, दोसर मे 9 आ तेसर मे 11टा मिल कए बेचबा लेल प्रयास कैल गेल, मुदा केवल दू-दू कुल चारि टा चीनी मिल कए बेच सकलहूं अछि। तेसर चरण क प्रक्रिया एखन चलि रहल अछि, मुदा एहि मे सेहो केवल चारिटा मिल पर गप भ रहल अछि।
ओ कहला जे तेसर चरण मे दूटा मिल क इस्तेमाल निवेशक चीनी मिल क रूप मे करै चाहैत छथि। बाकी मिल क इस्तेमाल ओ दोसर काज लेल करै चाहैत छथि। हमरा एहि मे कोनो आपत्ति नहि अछि, मुदा कम निवेशक क एला स हम परेशान जरूर छी। सूत्र क कहब अछि जे ज्यादातर निवेशक त जमीन क खातिर एहि चीनी मिल सब कए दिस आकर्षित भ रहल छलाह। ओ एकर इस्तेमाल चीनी उत्पादन स इतर दोसर काज लेल करै चाहैत छथि, मुदा एकरा लेल एखन ठीक स माहौ नहि बनल अछि जाहि स ओ दुविधा मे छथि। सरकार सेहो इ नहि चाहैत अछि जे विपक्ष ओकरा पर इ आरोप लगाबै जे सरकार चीनी मिल खोलबा मे विफल रहल। मालूम हुए जे देश क आन राज्यक मुकाबले बिहार क चीनी मिल लग बहुत जमीन अछि। मिसाल क तौर पर मुजफ्फरपुर जिले क मोतीपुर चीनी मिल लग 1,000 एकड़ जमीन अछि। बीतल चारि साल मे सूबा मे जमीन क दाम आसमान छू रहल अछि। भूमि अधिग्रहण मे आबि रहल दिक्कत कए देखैत नव उद्योग लेल जमीनक व्यवस्था काफी मुश्किल भ गेल अछि एहन मे एहि मिल ल जे जमीन अछि ओहि मे दू स चारि टा उद्योग एक संग लागी सकैत अछि। एहन मे सरकार एकरा एक गोटे क हाथे बचबा स बेसी चारि गोटेक हाथे बेचबाक योजना पर विचार करि रहल अछि।

Tags: Biharचीनी मिलबिहार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

शुरू भेल मानसून सत्र

शुरू भेल मानसून सत्र

चाहे बिहार कतबो सुधरे, हम नहि सुधरब

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि