• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार क जाम अहांक नाम

April 26, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। बिहार क शराब आब देश कए मदहोश करत। इसमाद पहिने इ बता चुकल अछि जे हथिदह से अपन कारोबारक शुरूआत करनिहार लीकर किंग विजय माल्‍या अपन एकटा आओर संयंत्र बिहार मे लगा रहल छथि। एकरा लेल विजय माल्या क अगुआई वाला यूबी ग्रुप मुजफफरपुर लग लीचीक बगान खरीद चुकल छथि आ संयंत्रक लेल सेहो जमीन ल लेलथि अछि। विजय माल्‍या कए बिहार मे निवेश स एहि क्षेत्रक आन महारथि सेहो बिहार एबा लेल उत्‍सुक भ गेलथि अछि। देश-विदेश क कईटा नामी-गिरामी शराब निर्माता कंपनी बिहार मे निवेश क इच्छा जता रहल छथि। एहि मे डेनमार्क क काल्र्सबर्ग जइसन पैघ नाम सेहो शामिल अछि। अपन योजना कए जल्द स जल्द परवान चढेबा लेल एहि मे स किछु कंपनी त बिहार मे जमीन कीनबाक कवायद सेहो शुरू करि देलक अछि।
राज्य क उद्योग विभाग क अधिकारी क कहब अछि जे राज्य मे पिछला किछु मास मे कईटा कंपनी निवेश क इच्छा जतेलक अछि। एहि मे स कई टा शराब निर्माता कंपनी राज्‍य मे अपन बीयर संयंत्र लगेबा लेल पैघ निवेशक प्रस्‍ताव देलक अछि। दरअसल इ कंपनी सब राज्‍य मे मकई आ गहूंम क पैदावार स काफी खुश अछि, संगहि लीची कए ल कए सेहो कंपनी मे उत्‍साह देखल जा रहल अछि। सरकार सेहो अन्‍य क्षेत्र क जेकां एहि क्षेत्र मे सेहो निवेशक कए कई प्रकारक सहूलियत द रहल अछि। सूत्र क मुताबिक बिहार मे निवेश क इच्छा रखनिहार कंपनी मे सबस पहिल नाम यूबी समूह क अछि ओकर बाद काल्र्सबर्ग जइसन पैघ कंपनी सेहो कतार मे अछि।
राज्य सरकार क एकटा वरिष्ठ अधिकारी अपन नाम नहि उजागर करबाक शर्त पर कहला जे, ‘दरअसल, यूबी ग्रुप आ काल्र्सबर्ग क मामला अंतिम चरण मे अछि। एहि स राज्‍य मे काफी पैघ निवेश हेबाक उम्मीद कैल जा रहल अछि। सूत्रक मानि त यूबी समूह अपन नवका प्लांट क लेल पटना क नजदीक पालीगंज इलाका मे जमीन सेहो कीन लेलक अछि।
अधिकारी क कहब सेहो अछि जे यूबी समूह अपन संयंत्र पालीगंज मे स्थापित करबाक फैसला केने अछि। एकरा लेल कंपनी 70-80 एकड़ जमीन ताकि लेने अछि। जमीन अधिग्रहण मे सरकार कंपनीक मदद करबा लेल तैयार अछि। काल्र्सबर्ग क गप सेहो कहियो फाइनल भ सकैत्‍ अछि। हालांकि, कंपनी एखन अपन संयंत्रक लेल जमीन नहि कीनलक अछि। मुदा उम्मीद अछि जे एक दू माह मे इ तय भ जाएत जे ओ कौन ठाम अपन संयंत्र लगा रहल अछि। राज्‍य सरकारक एकटा अधिकारीक कहब अछि जे केवल एहि दूनू परियोजना स राज्य मे लगभग 700-800 करोड़ टका क निवेश आउत।
ओ कहला जे इ सच अछि जे काल्र्सबर्ग कए फिलहाल रुचि राज्य मे बियर उत्पादन करबा मे अछि मुदा ओ जल्‍द यूबी ग्रुप जेकां एहि ठाम आन चीज सेहो बनाउत। ओ कहला जे राज्य मे मकई क उत्पादन आ बेहतर अर्थव्यवस्था कए देखैत एहि कंपनी क दिलचस्पी बिहार मे बढब स्‍वभाविक अछि। बिहार मे देश भरि मे सबस बेसी मकई क उत्पादन होइत अछि। संगहि मकई क खेती सेहो साल भरि होइत अछि।
ओना कंपनी दिस स बस एतबा कहल गेल जे सरकार स गप भ रहल अछि एखन कोनो प्रकारक खुलासा कहब मुश्किल अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

बिहार मे भेल देशक पहिल कृषि कैबिनेट, बनेलक 14टा समिति

Esamaad Epaper Website

बदलि गेल किछु फाइलक चेहरा

अपन वजूद लेल संघर्षरत अछि मुग़ल सल्तनतक आखरी कब्र

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि