पटना । बिहार सरकार राज्य क जूनियर चिकित्सक क मानदेय 13000 टका प्रतिमाह स बढ़ाकए 25000 टन्का प्रतिमाह करि देल गेल अछि। राज्य सचिवालय क प्रधान सचिव गिरीश शंकर कहला अछि जे मंगल दिन भेल मंत्रिमंडल क बैठक मे इ निर्णय लेल गेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे अपन एहि मांग क पूर्ति लेल राज्य क जूनियर चिकित्सक पिछला माह हड़ताल पर गेल रहथि।
राज्य सचिवालय क प्रधान सचिव गिरीश शंकर कहला अछि जे राज्य मे कानून-व्यवस्था कए चुस्त करबा लेल मंत्रिमंडल राज्य मे चारिटा नव पुलिस थाना क निर्माण क सेहो फैसला केलक अछि।