नई दिल्ली। आम धारणा क विपरीत भारतीय रिजर्व बैंक प्रायोजित एकटा अध्ययन मे कहल गेल अछि जे संगठित विनिर्माण क्षेत्र क उत्पादकता (टीएफपीजी) क हिसाब स 1980 स 2004 क बीच एकीकृत बिहार सर्वश्रेष्ठ प्रदर्शन वाला राज्य रहल, जखनकि तमिलनाडु एहि मामला मे सबस पाछु अंतिम पायदान पर रहल।
आरबीआई क अनुसंधान शाखा विकास अनुसंधान समूह (डीआरजी) न अपन अध्ययन ‘भारतीय विनिर्माण क्षेत्र क उत्पादकता, दक्षता आ प्रतिस्पर्धा’ मे कहलक अछि जे हालांकि बिहार कुल कारक उत्पादकता वृद्धि (टीएफपीजी) क लिहाज स बेहतर प्रदर्शन केलक, मुदा रोजगार सृजन क मामला मे एकर प्रदर्शन बेहतर नहि रहल।
रपट मे कहल गेल अछि- ‘‘संगठित विनिर्माण क्षेत्र क टीएफपीजी संकेत करैत अछि जे अंतरराज्यीय प्रदर्शन क लिहाज स एकीकृत बिहार क प्रदर्शन सबस बढ़िया आ तमिलनाडु क सबसे खराब रहल।’’ नवंबर 2000 मे बिहार स झारखंड कए अलग करि देल गेल।
रोजगार सृजन क बारे मे रपट मे कहल गेल अछि जे एहि दौरान बिहार मे रोजगार दर नकारात्मक रहल, जखनकि तमिलनाडु मे रोजगार दर मे महत्वपूर्ण वृद्धि देखल गेल।
अध्ययन मे राजस्थान आ आंध्र प्रदेश कए बेहतर प्रदर्शन करै वाला राज्य मे शामिल कैल गेल अछि। हालांकि गुजरात आ पंजाब कए खराब प्रदर्शन करनिहार राज्य क श्रेणी मे राखल गेल अछि।