• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार क बदला मे आंध्र कए देल जा रहल अछि अनएलोकेटेड कोटाक बिजली

May 18, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

प्रिति लता मल्लिकपटना| बिहार क बिजली संकट क निराकरण लेल लगातार मंथन कैल जा रहल अछि। सरकारक संग संग एहि मामलाक जानकार सेहो एहि मे लागल छथि। एहि क्रम मे किछु जानकार क साफ तौर पर कहब अछि जे समस्‍या बिकराल अछि मुदा एकर निराकरण संभव अछि। जानकार क कहब अछि जे राज्‍य सरकार क ठोस पहल आ केंद्र दिस स कनि उदारता देखाउल जाए त संकट काबू में आबि सकैत अछि। बिजली बोर्ड स जुडल एकटा पदाधिकारी कहला जे केंद्र स गाडगिल फॉर्मूले क तहत 1695 मेगावाट क पावर परचेज एग्रीमेंट अछि। एहि मे स चारि सौ मेगावाट पनबिजली अछि, जे अधिकतम सांझ क समय चारि घंटा भेट सकैत अछि यानी 24 घंटा मे मात्र 13 सौ मेगावाट बिजली केंद्र बिहार कए उपलब्ध करा रहल अछि।
केंद्र क लग मे 776 मेगावाट इस्टर्न रिजन क अनएलोकेटेड कोटा क बिजली अछि। इ सिर्फ बिहार क हिस्सा अछि। कारण, इस्टर्न रिजन क सदस्य राज्‍य मे बिहार कए छोडि कए सिक्किम, पश्चिम बंगाल, झारखंड आओर ओड़िशा सरप्लस स्टेट अछि। केंद्र यदि अपन नजरिया उदार करए, त बिहार कए 776 मेगावाट अतिरिक्त बिजली भेट सकैत अछि, जखनकि केंद्र एहि कोटा स 176 मेगावाट हैदराबाद आओर 54 मेगावाट गुवाहाटी कए द रहल अछि। अर्थात जहि बिजली पर बिहारक हक अछि ओ आंध्रप्रदेश कए देल जा रहल अछि। आंकडा कहैत अछि जे साउर्दन रिजन मे सेहो 1070 मेगावाट अनएलोकेटेड बिजली अछि। हैदराबाद कए ओहि कोटा स बिजली देल जा सकैत अछि।
बिहार सरकार एहि मसला पर गंभीर जरूर अछि मुदा ओ कोनो डेग नहि उठा रहल अछि। पिछला पांच साल मे दामोदर घाटी परियोजना आठ हजार मेगावाट बिजली उत्पादन क प्लांट लगेबा क काज शुरू कए रहल अछि। एकर करीब आधा भाग शुरू भ चुकल अछि। ओहि ठाम बिजली सरप्लस अछि। बिहार डीवीसी स करार करि सकैत अछि। हाल मे डीवीसी पुरान प्रोजेक्ट क संग 25 सौ मेगावाट बिजली दिल्ली कए उपलब्ध करेबा लेल करार केलक अछि। हालांकि, अगिला 10 साल तक ओकरा एहि बिजली क जरूरत नहि अछि। एहि करार क तहत केंद्र कए भेट रहल बिजली मे स अधिकतम दू हजार मेगावाट बिहार कए भेट सकैत अछि।
जानकारक मानब अछि जे कोनो राज्य मे बिजली बनेबा लेल तीनटा चीज चाही। जमीन, पानी आ कोयला। झारखंड, ओड़िसा आ छत्तीसगढ़ मे देश क 70 प्रतिशत कोयला उपलब्ध अछि। झारखंड मे 24 प्रतिशत ,छत्तीसगढ़ मे 22 प्रतिशत आओर ओड़िशा मे 24 प्रतिशत कोयला अछि। छत्तीसगढ़ मे असगर 75 साल मे साठ हजार मेगावाट बिजली बनेबा जोकर कोयला क भंडार उपलब्ध अछि। झारखंड मे उपलब्ध क कोयला क भंडार स सेहो अगिला 75 साल तक 70 हजार मेगावाट बिजली बनाउल जा सकैत अछि।
उपलब्ध कोयले स यदि बिजली झारखंड या छत्तीसगढ़ मे बनाउल जाए, त एकर कॉस्ट ऑफ प्रोडक्शन एक टका 40 पाई प्रति यूनिट आउत। मुदा झारखंड आओर छत्तीसगढ़ क कोयला हरियाणा आ पंजाब पठा कए बिजली बनाउल जाए त कॉस्ट ऑफ प्रोडक्शन दू गुना स बेसी भ जाइत अछि। पर, छत्तीसगढ़ स बिहार कए बिजली देबा मे 60 पाइ आ झारखंड स बिहार अनबा मे 40 पाइ प्रति यूनिट खर्च आउत।
झारखंड आ छत्तीसगढ़ क संग साझेदारी करबा लेल बिहार सरकार कोनो पहल नहि करि रहल अछि। बिहार सरकार इ जनैत अछि जे जाहि राज्य क लग मे कोयलाक भंडार अछि ओहि ठामक सरकार कए खुद बिजली उत्पादन यूनिट लगेबा स ओहि राज्य क शेयर 51 प्रतिशत भ जाएत।
केंद्र प्राथमिकता क आधार पर कोल लिंकेज या कोल ब्लाक देत। बिहार क लेल उपयुक्त समय अछि, किया कि भाजपा शासित झारखंड आ छत्तीसगढ़ मे घरेलू पावर प्लांट बहुत कम अछि। एहि दूनू राज्‍यक संग संयुक्त उपक्रम लगा कए बिहार अपन जरूरत क मुताबिक बिजली हासिल करि सकैत अछि। एहि स अगिला चार साल मे बिहार जीरो कट क स्थिति मे पहुंच जाएत।
बिहार मे 10 करोड़ 40 लाख क आबादी अछि मुदा औद्योगीकरण नहि अछि । एहि कारण स बिहार मे बिजली क खपत छत्तीसगढ़ क मुकाबला मे आधा अछि। लिहाजा जीरो पावर कट क लक्ष्य आसान अछि। नव फॉर्मूला क तहत एनटीपीसी स सेहो राज्‍य सरकार करार क सकैत अछि। कोनो राज्य जमीन आ पानी उपलब्ध करेबाक जिम्मेवारी लैत अछि त एनटीपीसी ओहि राज्य मे बिजली प्लांट लगाउत। संबंधित राज्य कए कुल उत्पादित बिजली मे स 50 प्रतिशत हिस्सा भेटत। जहां तक कोल लिंकेज आ कोल ब्लाक क गप अछि त ओ केंद्र सरकार अपन संस्थान कए आसानी स उपलब्ध करा दैत अछि। एनटीपीसी क संग एहि प्रकार क समझौता स बिहार कए लाभ भेट सकैत अछि,मुदा बिहार सरकार देश मे मौजूद विकल्‍प पर ध्‍यान देबाक बदला में भूटान पर ध्‍यान केंद्रीत कए रहल अछि। जखन कि ओकरा देश मे मौजूद विकल्‍प पर ध्‍यान द तत्‍काल कार्रवाई करैत विभिन्‍न राज्‍य सरकार आ एजेंसी स करार करबाक चाही।

Tags: Biharelectricity

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहारक टका समेटबा मे लागल अछि बैंक, कर्ज देबा लेल तैयार नहि

बैंक अपन कार्यशैली सुधारबाक लेल प्रयास करए: नीतीश

इपत्रिका क रूप मे सेहो अंतिका

Comments 1

  1. Dr. Shashidhar Kumar says:
    14 years ago

    SHAME ! SHAME !

    I STRONGLY CONDEMN THIS ACT.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि