पटना। गूगल मे नौकरी पएबाक सपना त बहुतो युवा देखैत छथि परंतु दिग्गज कंपनी गूगल करोड़ों क बीच से योग्य, प्रतिभावान के ताकि लैछ। आेहि कसौटी पर सफल भेला विहार क प्रतिभावान युवक आदर्श कुमार जे पटना क बुद्धा कोलोनी क निवासी थिकाह।
आइआइटी रुड़की से मेकेनिकल इंजीनियरिंग क डिग्री होल्डर अपन कैरियर साप्ट वेयर इंजीनियर से एक कड़ोर बीस लाख क पैकेज पर शुरू क रहल छथि।आदर्श बचपने से प्रतिभावान छात्र छलाह। ओ 12 वीं बोर्ड परीक्षा में गणित आ रसायन मे 100 मे 100 अंक प्राप्त कयने छलाह। गूगल मे अप्लाइ केलाक बाद. कएक राउंड मे हुनक टेस्ट लेला क बाद चयनकयल गेल। लगभग दू मास धरि कतेको आनलाइन इन्टरव्यू आ हैदराबाद मे आनसाइट स्टेज टेस्ट लेबाक बाद हुनक चयन भेल। आदर्श अगस्त से जर्मन क म्युनिख मेअवस्थित गूगसल कार्यालय मे काज शुरू करता।
आदर्श इंजीनियरिंग क तैयारी कर बाला छात्र सब के सलाह देल ज सफलता हेतु पहने सँ फोकस क पढब आवश्यक। एकर तैयारी नौवीं दशमी कक्षा से शुरू क देबाक चाही। एहि समय मे सिलेबस क बोझ कम रहैत छैक तेँ एहि समय सँ 11 वीं 12 वीं क तैयारी शुरू क देबाक चाही जाहि से. आइआइटी -JEE क्रैक करबा मे आसानी हेतैक। आदर्श क नामांकन. त मेक्निकल ब्रांच मे भेल छल परंतु हुनका गणित आ प्रोग्रामिंग मे विशेष रूचि छल तेँ आइआइटी कपढाइ संग ओ प्रोग्रामिंग करिते रहला। इन्टरव्यू क दौरान गूगल हुनका एही सँ संबंधित प्रश्न सब पूछलक। हुनका इंजीनियरिंग क चारिन साल अबैत.अबैत प्रोग्रामिंग के नीक जानकारी भ गेलैनजाहि से आत्मविश्वास भ गेल। हिनका कैम्पस सेलेक्शन मे सेहो एक कम्पनी चुनने छल।