
पटना। एखनो भारतक कई टा संपादक अपन अखबार क आर्थिक पन्ना पर बिहार डेटलाइन स समाचार लगेबा पर उपसंपादक पर तमसा जाइत अछि। मुदा अमरीकी पत्रिका न्यूजवीक क नव अंक मे एशिया क आर्थिक विकास क बहाने बिहार क प्रमुखता स चर्चा कैल गेल अछि। न्यूजवीक क आकलन अछि जे विश्व मे चीन क बाद बिहार क अर्थव्यवस्था दोसर नंबर पर अछि, जतय एतबा तीव्र वृद्धि भेल अछि। पांच पन्ना मे बिहार क एहि तेजी क कहानी ‘फ्राम वस्र्ट टू नियर फस्र्टÓ शीर्षक स लागल अछि। बिहार कए भारत मे ‘ट्रेंडसेटरÓ राज्य क रूप मे बताउल गेल अछि। पत्रिका मे बिहार क अतीत स ल कए वर्तमान तक क चर्चा अछि। पत्रिका क अनुसार बिहार क इ हैसियत भारत मे दोसर पायदान पर ठार राज्य स आगू आयल अछि। राज्य 11 फीसदी स ज्यादा वार्षिक आर्थिक वृद्धि दर हासिल क है। सड़क आ पुल क किस तरह स मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क कार्यकाल मे निर्माण भेल, पत्रिका मे विस्तार स जिक्र है। राज्य मे 6800 किलोमीटर सड़क आओर 1600 पुल बनल। बिहार मे अपराध क गिरते ग्राफ आ व्यावसायिक गतिविधि क विकास क सेहो जिक्र अछि। न्यूजवीक बिहार क विकास क नव कहानी क बहाने मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क छवि पर सेहो अपन बात कहलक अछि। एहि कड़ी मे किछु राजनेता क नाम लकए घोटाला तक क चर्चा अछि। बिहार क बदलल तस्वीर क सेहरा मुख्यमंत्री कए दैत न्यूजवीक लिखलक जे सीएम क रूप मे ओ संस्थान क आधारभूत कार्यसंस्कृति बदललथि अछि। मुख्यमंत्री ओहि अफसर कए चुनलथि जे बेहतर काज क लेल जानल जाइत छथि। नीक काज करनिहार अफसर क सेहो पत्रिका मे जिक्र अछि।








आहंक पत्रिका समाचार और विचार सय इतर बिहारक अन्य अखबारक भांति नितीश चालीसा बनल जा रहल थीक विकाश केर गाथा आंकड़ा और महिमा मंडन सय इतर जों होइक तय ओकर वर्णन दियौक.
समादक मुख्य ध्येय थिक बिहारक सम्बन्ध में नीक खबरि देब. आब यदि ओहि में नीतीशक नाम बेर बेर आबैत छन्हि तऽ ओहि से क्षुब्ध जुनि होऊ. अखनुका समय में जतय अधिकतम समाचार पत्र पत्रिका के ध्येय मात्र सभ के गरियौनाई मात्र रहि गेल अछि, हमरा लागैत अछि जे समाद ठीक ठाक काज करि रहल अछि.