पटना। बिहार कए विशेष राज्य नहि, विशेष सहायता क जरूरत अछि। देश क विकास क लेल बिहार क विकास आवश्यक अछि। प्रदेश क विकास स संबंधित इ निष्कर्ष योजना आयोग क उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलूवालिया क छी। अपने पहिल दौरा पर पटना आएल अहलूवालिया बिहार पर काफी मेहरबान रहलथि। ओ कहला जे राज्य कए विशेष सहायता क दरकार एहि लेल अछि, किया कि इ विकास क पैमाने पर पिछड़ल राज्य (डेवलपमेंट डेफिसिट स्टेट) अछि। ताहि लेल ओ राष्ट्रीय सम विकास योजना क तहत सालाना भेटैयवाल एक हजार करोड़ क राशि कए दू हजार करोड़ करबा क सिफारिश पर अपन मुहर लगा देलथि। एतबे नहि ओ कांटी आ बरौनी थर्मल पावर स्टेशन क जीर्णोद्धार क रकम मे भेल वृद्धि क भरपाई करबाक गप सेहो मानि लेलथि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ राज्य सरकार क आला अफसर क संग बुधवार कए अहलूवालिया मुख्य सचिवालय मे राज्य योजना क विस्तृत समीक्षा केलथि। अड़चन आ जरूरत बूझलथि। सरकार क प्रयास कए सराहलथि। किछु सुझाव देलथि आ कहलथि जे विकास क गति बनल रहे एकरा लेल राज्य कए राज्य कए खास मदद भेटबाक चाही। प्रदेश किछु दीर्घकालीन समस्या स दू-चारि अछि, त दिक्कत केंद्रीय एजेंसी आ केंद्रीय योजना कए ल कए सेहो अछि। देखल जाए जे ओकरा कोना दूर कैल जा सकैत अछि। केंद्र सरकार कतय आ केना राज्य क मदद करि सकैत अछि। केन्द्रीय एजेंसी एहि ठाम केना काज तेज करि सकैत अछि।
योजना आयोग क उपाध्यक्ष क समक्ष जखन विशेष राज्य क मसला उठल, तखन ओ कहला जे मुख्यमंत्री एहि संबंध मे पत्र लिखने छलाह। कई दोसर राज्य सेहो कतार मे अछि। ओना त इ मुद्दा राष्ट्रीय विकास परिषद क अछि , लेकिन एहि स कोनो खास फायदा होइ वाला नहि अछि। बस किछु रियायत भेट सकैत अछि। समयक मांग अछि जे बिहार कए अतिरिक्त संसाधन मुहैया कराउल जाएं। कोसी क बाढ़ क सवाल आयल त योजना आयोग क उपाध्यक्ष समाधान क तौर पर दीर्घकालीन प्लानिंग क दरकार बता देलथि। कहजा जे इ एकटा पैघ समस्या अछि। राज्य क भूगोल एकर मूल मे अछि। बाढ़ स निजात पेबा लेल विस्तृत परियोजना प्रतिवेदन (डीपीआर) बनेबाक जरूरत अछि। एकरा लेल काफी संसाधन चाही।