नई दिल्ली। बिहार मे रोजगार क अवसर पैदा करबा लेल आखिरकार इंफोसिस बिहार पहुंच गेल। बिट्टल मे इंफोसिस क मदद स आईटी पार्क बनाउल जा रहल अछि। बिहार क उद्योग विभाग क प्रधान सचिव सीके मिश्रा कहला जे बिहार मे 25 एकड़ जमीन पर एकटा आईटी पार्क बनाउल जा रहल अछि। एकरा मशहूर आईटी कंपनी इंफोसिस क मदद स तैयार कैल जा रहल अछि। पिछला दू साल स चलि रहल प्रयासक बाद आखिरकार इंफोसिस अपन एकटा केंद्र आईटी पार्क मे खुलबा लेल काज शुरू करि देलक अछि। ओ कहला जे देश मे आईटी क्षेत्र मे लागल 50 प्रतिशत लोक बिहार क छथि। जानकारक कहब अछि जे इंफोसिस एखन अपन छोट इकाई एहि ठाम खोली रहल अछि जाहि मे करीब 1500 कर्मचारी भ सकैत अछि, मुदा बाद मे इ संख्या बढि सकैत अछि किया कि एहि ठाम बेंगलुरू या गुडगांव स काफी कम लागत मे ओ सुविधा कर्मचारी कए द सकैत अछि जेकरा देबा मे कंपनी कए मोट रकम खर्च करए पडैत अछि। ओना एहि पार्क स कम स कम 20 हजार लोक कए रोजगार भेटबाक उम्मीद बनि रहल अछि।
ई विट्ठल कोन जगह अछि? की बिहटा के बदला में टाईप भय गेल अछि.? स्पष्ट करु।
ई विट्ठल कोन जगह अछि?
Bihta ke bitthal likhlainh achchi.