पटना। बिहार मे जन वितरण प्रणाली क दुकानदार आब अनाज उठाव क सूचना लोकसब कए मोबाइल फोन पर एसएमएस क द्वारा देत। एकरा लेल सब दुकान क सम्बंधित इलाका क निगरानी समिति आ उपभोक्ता क मोबाइल नंबर क डाटा बैंक तैयार भ चुकल अछि।
राज्य क खाद्य आ उपभोक्ता संरक्षण मंत्री श्याम रजक कहला अछि जे जन वितरण प्रणाली मे जन सामान्य क भागीदारी बढ़ेबा लेल एहन प्रयोग कैल जा रहल अछि। ओ कहला जे विभाग मे सूचना तकनीक क पहिल बेर इस्तेमाल भ रहल अछि।
ओ कहला जे सरकार क मानब अछि जे जन वितरण मे गड़बड़ी कए रोकबा मे इ प्रयोग जतए कारगर साबित होएत ओतहि उपभोक्ता कए अनाज आ किरासन तेल क सम्बंधित दुकान मे पहुंचबाक जानकारी क लेल बेर-बेर दुकान क चक्कर काटबाक स सेहो निजात भेटत।
गौरतलब अछि जे राज्य मे करीब 44,317 जन वितरण प्रणाली क दुकान अछि। जाहि मे गरीबी रेखा क नीचा ख्बीपीएल, गरीबी रेखा स ऊपर एपीएल, अन्त्योदय, अन्नपूर्णा योजना क तहत उपभोक्ता कए अनाज क रूप मे गहूम आ चाउर, आ किरासन देल जाइत अछि।
खाद्य आ उपभोक्ता संरक्षण विभाग क कहब अछि जे एसएमएस करबाक जिम्मेवारी प्रखंड आपूर्ति पदाधिकारी आ मार्केटिंग पदाधिकारी कए देल गेल अछि, जिनकर निगरानी अनुमंडल पदाधिकारी आ जिला आपूर्ति पदाधिकारी करताह। विभाग क वरिष्ठ अधिकारी क कहब अछि जे राज्य क सबटा जिलाधिकारी कए एसएमएस सेवा प्रारंभ करबा लेल कहल जा रहल अछि।