• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे अछि काफी संभावना : डॉ स्वाति

November 13, 2009
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । एसोचैम क पहिल महिला अध्यक्ष डॉ स्वाति पीरामल कहलथि अछि जे वर्तमान समय मे बिहार व्यापक व्यावसायिक संभावना स भरल अछि। खास तौर स खाद्य प्रसंस्करण उद्योग क मामला मे। पटना मे एसोचैम क दिस सआयोजित इन्वेस्ट मार्ट-बिहार 2009 कार्यक्रम मे अपन स्वागत भाषण मे डॉ पीरामल कहलथि जे बिहार मे कृषि क क्षेत्र मे एतबा संभावना अछि जे एहि ठाम स पूरा देश कए फल, तरकारी आ अन्य खाद्यान्न क आपूर्ति भ सकैत अछि। सबस खास गप इ अछि जे एहि ठाम ऑर्गेनिक फल, तरकारी आ खाद्यान्न क पैघ पैमाना पर उत्पादन भ सकैत अछि। एहि मौका पर उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी एसोचैम क दिस स बिहार क आर्थिक-औद्योगिक हालात आ संभावना पर तैयार अध्ययन रिपोर्ट ‘बिहार विजन 2020 ए ग्रोथ स्ट्रैटेजीÓ जारी केलथि।
डॉ स्वाति पीरामल कहलथि जे देश क भीतर बिहार एकटा पैघ बाजारवाला प्रांत क रूप मे सामने आयल अछि। बिहार कॉस्मेटिक क सबस पैघ बाजार बनि चुकल अछि। बिहार मे तेजी स सामाजिक बदलाव आयल अछि। एहि ठाम हेल्थ आ एजुकेशन क क्षेत्र मे काफी काज भ रहल अछि। गाम क लड़की सब कए स्कूल जेबा लेल साइकिल देल गेल अछि। बिजली आ सड़क मे सेहो अपेक्षित सुधार भेल अछि। सबस महत्वपूर्ण गप इ जे सरकार क नीति क कारण उद्योग-व्यवसाय क लेल काफी अनुकूल माहौल बनल अछि। एहि पॉजीटिव ग्रोथ स एसोचैम बेहद उत्साहित अछि। संगहि बिहार क आर्थिक-आद्यौगिक विकास हो आ एहि ठाम निवेश क माहौल बने, एकरा लकए बेहद गंभीर सेहो छी। इंवेस्ट मार्ट-बिहार 2009 एहि कड़ी मे अछि। एसोचैम क दिस स जारी ‘बिहार विजन 2020 ए ग्रोथ स्ट्रैटेजीÓ मे बिहार मे उद्योग-व्यवसाय क संभावना पर फोकस कैल गेल अछि। इ रिपोर्ट एसोचैम क करीब साढ़े तीन लाख सदस्य कए पठाउल जा रहल अछि, ताकि ओ बिहार मे निवेश पर गंभीरता स विचार करथि।
इंडिया इज कमिंग टू बिहार : उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहजा जे एसोचैम क अध्यक्ष डॉ स्वाति पीरामल क बिहार दौरा काफी महत्वपूर्ण अछि। कारण इ जे इ पहिल मौका अछि जखन एसोचैम क शीर्ष पर मौजूद कोनो अधिकारी बिहार एलथि अछि। इ एहि गपक प्रमाण सेहो अछि जे बदलैत बिहार पूरा देश मे चर्चा क विषय अछि आओर पूरा देश कए आकर्षित-आमंत्रित करि रहल अछि। जाहि बिहार मे पहिने कियो झंकबा तक लेल नहि अबैत छल ओहि ठाम आइ पूरा भारत आबि रहल अछि। पहिने मात्र एतबा सुनबा मे भेटैत छल जे बिहार स लोक पलायन करि रहल छथि। आइ इ सेहो सुनबाक मौका भेटि रहल अछि जे भारत क विभिन्न हिस्सा स लोक बिहार आबि रहल छथि। इंडिया इज कमिंग टू बिहार क स्थिति बनि गेल अछि। पटना स दिल्ली क लेल फ्लाइट क संख्या बढि़ गेल अछि। देश क विभिन्न हिस्सा स उद्योगपति आ व्यवसायी बिहार आबि रहल छथि। रिपोर्ट पर चर्चा करैत मोदी कहला जे सरकार क काज उद्योग लगेबा या व्यवसाय करबाक नहि अछि, बल्कि उद्योग-व्यवसाय क लेल नीति बनेबाक अछि, माहौल बनेबाक अछि आ सुविधा मुहैया करेबाक अछि। राज्य मे उद्योग-व्यवसाय क विकास कए लकए हर संभव प्रयास कैल जा रहल अछि। एकर परिणाम सेहो सामने अछि।
1032.82 करोड़ क निवेश : अक्तूबर 2009 तक बिहार मे निवेश क कुल 220 प्रस्ताव स्वीकृत भ चुकल अछि। एहि मे स 22टा इकाइ काज क रहल अछि। 74टा इकाइ एडवांस स्टेज मे अछि। 1032.82 करोड़ क निवेश भेल अछि। बस एतबा ध्यान रखबाक जरूरत अछि जे चीज एक दिन मे नहि बदलैत अछि। आइ माहौल बनल अछि। अबैवाला समय मे एकर सकारात्मक परिणाम सेहो देखल जइत। ओ कहला जे बिहार आइ देश मे सीमेंट खरीदनिहार प्रमख राज्य मे स एक अछि।
निवेशक कए हर तरह क मदद : उद्योग मंत्री बिजेंद्र प्रसाद यादव कहला जे बिहार मे तीन फसली जमीन अछि। एहि मामला मे बिहार दुनिया मे अनूठा अछि। कृषि क संभावना व्यापक अछि। सिंचाई क लेल अकूत जल संपदा है। हम निवेशक-उद्यमी कए नोत द रहल छी जे आउ सरकार हर संभव मदद क लेल तैयार अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

मंडोर एक्स. पटरी स उतर, 8 क मौत

Esamaad Epaper Website

पीएमओ जइसन होइत मुखिया क दफ्तर

Esamaad Epaper Website

जदयू नेता मंगलथि सुशील मोदी स इस्तीफा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि