पटना । बिहार क एकटा पैघ समस्या हल हुए जा रहल अछि। नेचुरल गैस क लेल बिहार सरकार आ गेल इंडिया लिमिटेड क बीच अगिला मास करार हेबाक संभावना अछि। एहि योजना क तहत पश्चिम बंगाल क हल्दिया स उत्तरप्रदेश क जगदीशपुर तक नेचुरल गैस पाइप लाइन बिछाउल जाएत । अगर सबकिदु ठीक रहल त अगिला चारि साल मे गैस पाइप लाइन योजना जमीन पर उतरि जाएत । राज्य सरकार ऊर्जा आ ईंधन क खपत क जरूरत कए पूरा करबाक प्रयास मे जुटि गेल अछि। कोल लिंकेज देबा मे केंद्र क भेदभावपूर्ण नीति आओर शहर मे ब़ढैत प्रदूषण पर नियंत्रण लेल राज्य सरकार नेचुरल गैस क उपलब्धता पर गंभीरता स विचार करि रहल अछि। दरअसल कोल लिंकेज क इंतजार मे बिहार मे निजी क्षेत्र क कईटा बिजली प्रोजेक्ट लटकल अछि। आधिकारिक सूत्र क कहब अछि जे सरकार क एहि महात्वाकांक्षी योजना स निजी क्षेत्र क थर्मल प्लांट मे बिजली उत्पादन करबा मे मदद भेटत। एहि स लाभ बिहार कए होएत।
बिहार के बेगूसराय, गया, पटना, बेतिया, छपरा, सीवान आ गोपालगंज होइत इ पाइप लाइन बिछाउल जाएत। हालांकि गैस पाइप लाइन क जरिए नेचुरल गैस क उपलब्धता बिहार सन राज्य लेल सस्ता नहि अछि । शहर मे गैस रिफिलिंग सेंटर सेहो स्थापित कैल जाएत । एहि स दिल्ली क भांति बिहार मे सेहो प्राकृतिक गैस स गा़डी चलत आ डीजल आ पेट्रोल क जमाना खत्म भ जाएत। एहि स एक दिस तए लोक कए वाहन खर्च मे कमी आउत ओतहि वाहन क प्रदूषण स लोक कए सेहो मुक्ति भेटत।