11 हजार करोड़ स भ रहल अछि विभिन्न राजमार्गक निमार्ण
नई दिल्ली। राष्ट्रीय राजमार्ग प्राधिकरण बिहार मे स्वर्णिम चतुर्भुज कए आब छह लेन मे बदलि रहल अछि। बिहार मे एखन इ चारि लेन मे बनल अछि। केंद्र सरकार एहि सडक पर बढैत वाहन क संख्या कए देखैत स्वर्णिम चतुर्भुज राष्ट्रीय राजमार्ग कए चारि क स्थान पर छह लेन मे बदलबाक मांग पर विचार करैत एकरा मंजूरी देलक अछि। राज्य सरकार एहि लेल बहुत दिन स आग्रह करैत छल। उत्तर प्रदेश सीमा स औरंगाबाद तक बिहार स गुजरि रहल एहि सडक कए छह लेन मे बदलवा लेल कुल 2900 करोड़ टका खर्च होएत। एहि सड़क परियोजना क काज आईसोक्स सोमा कए सौंपल गेल अछि। आइसोक्स एकटा विदेशी कंस्ट्रक्शन कंपनी अछि।
एकर अलावा बिहार मे कुल 12टा आर सड़क परियोजना पर जोर शोर स काज शुरू भ चुकल अछि। 900 करोड़ क लागत स 120 किमी लंबी पटना-बक्सर मार्ग लेल 24 अगस्त तक निविदा होएत। करीब 11 हजार करोड़ क लागत क एहि सड़क परियोजना कए पूरा भेलाक बाद बिहार मे आवागमन आओर आसान भ जाएत।
सूत्र क अनुसार राष्ट्रीय राजमार्ग प्राधिकरण राष्ट्रीय राजमार्ग विकास कार्यक्रम-चरण 3 क तहत बिहार क जाहि 12टा सड़कक निर्माण कए मंजूरी देने छल, ओहि मे स नौ टा कए टेंडर अवार्ड करि देल गेल अछि। 671 करोड़ क लागत स हाजीपुर-मुजफ्फरपुर सड़क क काज गैमन इंडिया शुरू करि चुकल अछि। इ सडक फरवरी, 2013 मे चारि लेन क तैयार भ जाएत। 575 करोड़ क लागत स हाजीपुर-छपरा सड़क पर काज मधुकान कंस्ट्रक्शन करि रहल अछि। इ जुलाई, 2013 मे चारि लेनक बनि जाएत। 512 करोड़ क लागत स जून, 2013 तक चारि लेनक तैयार भ जाएत मुजफ्फरपुर-सोनबरसा राजमार्ग, जे बना रहल अछि सी एंड सी कंपनी।
पिपराकोठी-रक्सौल राष्ट्रीय राजमार्ग कए मार्च, 2014 तक तैयार हेबाक अछि। 300 करोड़ लागत क एहि सड़क परियोजना क काज तांतिया कंस्ट्रक्शन कए देल गेल अछि। छपरा-गोपालगंज सड़क परियोजना क काज अभिजीत कंस्ट्रक्शन करि रहल अछि। 325 करोड़ क लागत वाला इ सडक अप्रैल, 2013 तक बनत। 664 करोड़ क लागत स खगड़िया -पूर्णिया सड़क क काज पुंज लॉयड करि रहल अछि। एकरा मार्च, 2014 तक बनेबाक लक्ष्य देल गेल अछि। मोकामा-मुंगेर राष्ट्रीय राजमार्ग कए जून, 2012 तक तैयार हेबाक अछि। 351 करोड़ क इ सड़क परियोजना क निर्माण कार्य सी एंड सी कए देल गेल अछि। 73 करोड़ क फारबिसगंज-जोगबनी सड़क क काज सेहो तांतिया कंस्ट्रक्शन कए भेटल अछि जखन कि 600 करोड़ क लागत वाला पटना-बख्तियारपुर एनएच क काज बीए सी एंड सी करि रहल अछि। इ सड़क मार्च, 2014 तक बनत।
rajaya marga vadhala rajya ke vikas nik vaya sakait aichi..