पटना। बिहार सरकार राज्य मे बढैत पर्यटकक संख्या स उत्साहित भ आब रेडियो टैक्सी सेवा शुरू करबाक फैसला लेलक अछि। गांधी जयंती स एहि सेवा क शुरूआत होएत ।
बौद्ध पर्यटन कए बढ़ावा देबा लेल आ विदेशी पर्यक कए आकर्षित करबा लेल एहि सेवा कए राज्यक सबटा पर्यटन क्षेत्र मे शुरु कैल जा रहल अछि। योजना क तहत पर्यटक कए सरकारी दर पर लक्जरी टैक्सियां भाडा पर ऑन डिमांड उपलब्ध कराउल जाएत। गांधी जयंती क अवसर पर मुख्यमंत्री क हाथ स फिलहाल पटना जिला लेल एहि योजना कए शुरू करबाक सबटा तैयारी लगभग पूरा भ चुकल अछि । योजना क संबंध मे चर्च करैत पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिन्टू कहला अछि जे एहि योजना क तहत पर्यटक लेल फिलहाल 30टा गाडी तैयार अछि । एकर परिचालन लेल पुलिस जांच क आधार चालक क चयन करि प्रशिक्षण क बाद ओकर ट्रायल क प्रक्रिया पूरा भ चुकल अछि ।
bahut neek yogna ai.ahi s bihar me paryatan k badhawa bhetat.sunil kumar pintu ji k sadhuwaad.