• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे आब सीता नवमी क दिन सार्वजनिक छुट्टी

June 10, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। आखिरकार बिहार सरकार क ध्‍यान मि‍थिलाक बेटी पर गेल। पता नहि केतबा साल स इ मांग भ रहल छल जे राम नवमी क भांति कम स कम बिहार मे त सीताक जयंती पर अवकाश हेबाक चाही, मुदा एखन धरिक सरकार एहि पर राजी नहि भेल छल। मुदा पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू कहला अछि जे जाहि तरह स भगवान राम क जन्मदिन (रामनवमी) पर सरकारी छुट्टी रहैत अछि, ओहि प्रकार स अगिला साल स सीता क जन्मदिन पर सेहो बिहार मे सरकारी छुट्टी घोषित कैल जा रहल अछि। इ जानकारी पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू एकटा संवाददाता सम्मेलन मे देलथि। ओ कहला जे मिथिलाक लोकक मांग कए देखैत सरकार फैसला केलक अछि जे अगिला साल स रामनवमी क भांति सीता नवमी क दिन सेहो बिहार मे सार्वजनिक छुट्टी होएत। ओ कहला जे एहि स पर्यटन कए सेहो बढावा भेटत। ओना बिहार मे पर्यटकक बढैत संख्‍या स उत्‍साहित मंत्री कहला जे बिहार विदेशी पर्यटक क संख्या 6 लाख 36 हजार भ गेल अछि जे पिछला सालक मुकाबला मे 50 प्रतिशत बेसी अछि। ओ कहला जे राज्य क बेहतर विधि व्यवस्था क कारण विदेशी आ घरेलू पर्यटक क संख्या मे लगातार वृद्धि भ रहल अछि। पर्यटन मंत्री क अनुसार 2010 मे 1 करोड़ 91 लाख 28 हजार पर्यटक बिहार पहुंचलाह, जे पिछला साल स 20 प्रतिशत बेसी अछि। ओ कहला जे पर्यटक क संख्या मे आश्चर्यजनक वृद्धि भेल अछि। एहि वृद्धि कए देखैत पर्यटक क सुविधा बढेबा पर विचार कैल जा रहल अछि। ओ कहला जे सड़क क स्थिति नीक भेल अछि ताहि लेल आधुनिक वाल्वो लग्जरी कोच क संचालन पटना-रांची आ पटना -पूर्णिया रूट पर शुरू कैल गेल अछि। ओ कहला जे विमान परिचालक स अनुरोध कैल गेल अछि जे दिल्ली स पटना विमान सेवा कए बोधगया सेहो ल जेबाक व्यवस्था कैल जाए। एहि स पर्यटक कए सुविधा भेटत। पर्यटन मंत्री कहला जे पर्यटन कए बढ़ावा देबा लेल सरकार आओर प्रयास करि रहल अछि। ओ कहला जे भूटान-बिहार क बीच पर्यटन स्पेशल ट्रेन चलेबा लेल योजना तैयार भ चुकल अछि। बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम क दिस स संचालित इ ट्रेन प्रत्येक सप्ताह क अंत मे एक दिन चलत। एकर संगहि चेन्नई स बिहार लेल पर्यटन स्पेशल ट्रेन सेहो चलत। एहि अवसर पर विभाग क प्रधान सचिव दीपक कुमार कहला जे पटना मे राति मे पर्यटकक मनोरंजन लेल एखन कोनो खास सुविधा नहि अछि, मुदा विभाग बहुत जल्द राजगीर, बोधगया आ पटना क गोलघर मे लाइट एंड साउंड शो क व्यवस्था करि रहल अछि। एकरा एहि साल क अंत तक पूरा करबाक लक्ष्‍य राखल गेल अछि।

Tags: Biharsitaरामनवमी

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

एक जुलाई स भेटत टीईटी क फार्म

चालू भ गेल सपना क पुल

Esamaad Epaper Website

लार्ड बुद्धा इंटरनेशनल एयरपोर्ट होएत गया हवाई अड्डे क नाम

Comments 1

  1. Dr. shashidhar Kumar says:
    14 years ago

    Many many thanks to BIHAR GOVT. & the Honourable TORISM MINISTER.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि