पटना। बिहार मे साइकिल क बढै़त मांग कए देखैत साइकिल कंपनी तेजी स राज्य क रुख करि रहल अछि। बीएसए ब्रांड क तहत टीआई साइकिल्स राज्य मे कारखाना लगा रहल अछि। एकर अलावा कईटा दोसर साइकिल कंपनी सेहो राज्य मे कारखाना खोलबा लेल प्रस्ताव देलक अछि।
राज्य क उद्योग विभाग क सचिव सीके मिश्रा कहला – कईटा अन्य साइकिल कंपनी क संग सेहो गप भ रहल अछि। हालांकि इ एखन शुरुआती स्तर पर अछि। मिश्रा कहला जे किछु समय पहिने टीआई साइकिल्स राज्य मे निवेश करबा लेल इच्छा जतेने छल। राज्य निवेश प्रोत्साहन बोर्ड क मंजूरी भेटलाक बाद राज्य सरकार कंपनी कए हाजीपुर मे जमीन मुहैया करा देलक अछि। कंपनी सेहो एकर पुष्टि करैत कहलक जे ओ एहि कारखाना मे 45 करोड़ स बेसी रकम लगा रहल अछि। कंपनी क अधिकारी कहला-पिछला किछु साल क दौरान राज्य मे साइकिल क मांग मे तेजी आएल अछि। एकरा देखैत हम सब राज्य मे निवेश करबाक फैसला केलहुं अछि।