पटना। बिहार मे 40टा महिला थाना खुलत। राज्य मंत्रिमंडल एहि प्रस्ताव कए अपन मंजूरी प्रदान करि देलक अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे संपन्न भेल राज्य मंत्रिमंडल क बैसार क बाद मंत्रिमंडल सचिवालय समन्वय विभाग क प्रधान सचिव रविकांत कहला जे राज्य मंत्रिमंडल प्रदेश भरि मे 40टा महिला थाना खोलबाक मंजूरी द देलक अछि। ओ कहला जे एखन राज्य मे एकोटा महिला थाना नहि अछि आ इ 40टा महिला थाना प्रदेश क 38टा राजस्व जिला आओर दूटा पुलिस जिला बगहा आओर नौगछिया मे खुलत। रविकांत कहला जे एहि महिला थाना सबहक लेल 647टा नियुक्ति कए सेहो सरकार अपन मंजूरी द देलक अछि जाहि मे पुलिस इंस्पेक्टर क 21 पद, एएसआई क 121, असिस्टेंट सब इंस्पेक्टर क 101, हवलदार क 80 आओर सिपाही क 324 पद शामिल अछि। एहि महिला थानाक स्थापना पर कुल 25 करोड़ 44 लाख टकाक खर्च आउत। ओ कहला जे एहि थाना सब लेल यथासंभव महिला कर्मचारी आ पदाधिकारी नियुक्त हेतथि।