नई दिल्ली/ पटना। औद्योगिक रूप स पिछडल राज्य बिहार मे पैघ पैमाना पर निवेश क जमीन तैयार भ गेल अछि। सरकार लग बिजली, सीमेंट आ खाद्य प्रसंस्करण सहित कईटा उद्योग लेल 600 स बेसी निवेश प्रस्ताव आयल अछि। अगर एहि प्रस्ताव पर क्रियान्वियन भ जाए त बिहार क अर्थव्यवस्था मे काफी बदलाव होएत। एहि संदर्भ मे एक दिस उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला अछि जे प्रदेश में 28टा नव चीनी मिल लागत, त दोसर दिस उद्योग मंत्री रेणु कुमारी कुशवाहा कहलथि अछि जे एखन धरि विभिन्न उद्योग स जुडल एखन धरि 605टा प्रस्ताव भेटल अछि। एहि प्रस्ताव मे कुल 2.54 लाख करोड़ टकाक निवेश क सम्भावना अछि।
वित्तमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे फिलहाल प्रदेश मे नौटा चीनी मिल कार्यरत अछि। मुदा राज्य सरकार प्रदेश मे उद्योग कए गति देबा लेल कृतसंकल्पित अछि आ एकर नतीजा सेहो सामने आबि रहल अछि।
पटना मे निवेशक कए आकर्षित करबा लेल भ रहल वैश्विक सम्मेलन स पहिने कुशवाहा अपन दिल्ली यात्रा क दौरान कहलथि जे 605टा प्रस्ताव मे स 54टा इकाइ मे उत्पादन शुरू भ चुकल अछि आ 200 स बेसी परियोजना पर काज भ रहल अछि।” ओ कहलथि जे पिछला पांच साल मे बिहार में सात हजार करोड़ क निवेश भ चुकल अछि। अदानी पावर बिजली संयंत्र आ कोयला क खान मे सात हजार करोड़ निवेश क प्रस्ताव देलक अछि। अमेरिका क ऊर्जा कम्पनी एईएस कारपोरेशन भागलपुर जिला मे ताप विद्युत संयंत्र स्थापित करबा लेल आठ हजार करोड़ क निवेश प्रस्ताव देलक अछि। बिजली आ ढांचागत क्षेत्र क खराब स्थिति कए स्वीकार करैत ओ कहलथि जे एकरा ठीक करबा लेल सरकार प्रयासरत अछि। कुशवाहा कहलथि जे अगिला मास भ रहल सम्मेलन मे दुनिया भरिक करीब एक हजार प्रतिनिधि पटना आबि रहल छथि। 17 स 19 फरवरी तक भ रहल एहि ‘ग्लोबल सम्मिट ऑन चेंजिंग बिहार’ मे नेपाल क प्रधानमंत्री बाबूराम भट्टराई, जापान क पूर्व प्रधानमंत्री शिंजो आबे, सिंगापुर क पूर्व प्रधानमंत्री गोह चोक तोंग, ब्रिटेन क संसद सदस्य निकोलस टर्न, मेघनाद देसाई आओर करण बिलिमोरिया भाग लेतथि। मंत्री कहलथि जे सम्मेलन मे कईटा आपसी सहमति क समझौता आ सौदा पर हस्ताक्षर भ सकैत अछि।