• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे टोल रोड बनाउत निजी कंपनी

August 6, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

नई दिल्ली । आईआईटी क पूर्व छात्र आ इंजीनियर सत्येंद्र दूबे क हत्या क बाद बिहार मे सडक निर्माण मे निजी भागीदारी क कल्‍पना मुश्किल भ गेल छल। मुदा हुनक हत्‍याक आठ साल बाद बिहार अपना कए एतबा बदलि लेलक जे इ सेक्टर निजी क्षेत्र स निवेश हासिल करबा मे कामयाब भ गेल। पिछला छह साल मे इ सेक्टर जबरदस्त बदलाव क सबूत द रहल अछि। बिहार मे एहन सेक्‍टर मे भेल निवेश काफी महत्वपूर्ण स्‍थान रखैत अछि। बिहार लेल इ आर खुशीक गप अछि जे एक संग दूटा परियोजना मे निजी भागीदारी लेबा मे ओ सफल रहल अछि। बिहार मे दूटा टोल रोड प्रॉजेक्ट निजी भागीदारी स बनत। इ सेहो महत्‍वपूर्ण अछि जे टोल रोड लेल ऑपरेटर कए इ यकीन भ चुकल अछि जे ओ एकर संग्रह मे कामयाब रहताह। इ भरोस लालू राज क 15 साल क दौरान ऑपरेटर कए कहियो नहि भ सकल छल। एहि दूनू परियोजना कए पूरा भेला स राज्य मे परिवहन व्यवस्था त बेहतर हेबे करत संगहि निजी क्षेत्र मे विश्‍वास बहाली सेहो मजबूत होएत। एहि सड़क परियोजना क ठेका अटलांटा इंफ्रास्ट्रक्चर कए भेलट अछि। एकर उप निदेशक उल्हास एन भोले कहला जे बिहार आब ओ बिहार नहि रहल, बहुत बदलि गेल अछि। बिहार मे आब काज कैल जा सकैत अछि। बिहार मे 2006-07 स एखन धरि कुल 23,606 किलोमीटर सड़क तैयार भ चुकल अछि। एकर अलावा 1,657 किलोमीटर नेशनल हाइवे क मरम्मत क काज भ रहल अछि। हालांकि, इ सबटा परियोजना सालाना भुगतान स पूरा भेल अछि, कियाकि एहि मे निजी बिल्डर टोल रोड बनेबा लेल तैयार नहि छल। दरअसल, बिल्डर कए डर छल जे लोक स ओ टोल नहि वसूल पाउत। भोले कहला जे हमरा टोल कलेक्शन मे कोनो समस्या नजरि नहि आबि रहल अछि। वित्त मंत्रालय क एकटा अधिकारी कहला जे वित्त मंत्रालय क तहत पब्लिक-प्राइवेट पार्टनरशिप अप्रूवल कमेटी गंगा प्रोजेक्ट कए मंजूरी द चुकल अछि। 2008 मे बिहार राज्य सड़क विकास निगम क टेंडर लेल सिर्फ चारिटा बोली लागल छल। जखनकि एहि बेर 16टा कंपनी एहि परियोजना लेल आवेदन केने छल।

Tags: पटनाबिहाररोड

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

एंड्रॉयड ऑपरेटिंग सिस्टम स होएत सडकक निगरानी

Esamaad Epaper Website

रिटायरमेंट क दिन भ जाएत अंतिम हिसाब

दिल्ली मे मैथिली रंगकर्मक गतिविधि बढ़ल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि