नई दिल्ली। दिल्लीक मुख्यमंत्री शीला दीक्षित एक बेर फेर अपन बिहार विरोध जाहिर केलथि अछि। दिल्ली कए कर्ज मे डूबा अपन प्रतिभाक लोहा बनबा चुकल शीला जी क कहब अछि जे बिहार मे प्रतिभाशाली लोक पैदा नहि भ सकैत अछि, एहन मे इ आश्चर्य क विशेष अछि जे शेखर सुमन सन प्रतिभाशाली कलाकार बिहार क कोना भ सकैत छथि।
शीला इ बयान ललित कला अकादमी मे मैथिली-भोजपुरी आ पूर्वी कला क अनोखी प्रदर्शनी क उद्घाटन करबाक दौरान देलथि। दिल्ली क मुख्यमंत्री मैथिली भोजपुरी अकादमी क पदेन अध्यक्ष सेहो छथि। शीला दीक्षित एहि बयान स ओहि ठाम उपस्थित सब गोटे स्तब्ध भ गेल। शेखर सुमन एकर बाद असहज भ गेलाह। मुदा शीला कए अपन बयान पर कोनो पचताबा नहि अछि। ओ कहलथि बिहार क एकटा चीज हरदम आकर्षित करैत अछि आ ओ विश्व प्रसिद्ध मिथिलाक चित्रकला अछि।
ओना एहि प्रदर्शनी क मे दिल्ली क लोक कए पूर्वांचल क प्रतिभा आ कला कए लग स देखबाक मौका भेटल अछि। प्रदर्शनी मे देश क चुनल 44टा कलाकार क सौ टा कृति कए रखल गेल अछि।
Manniyaa Sheila Dikshit Jee Aha Mithila aur Biharak ware me shayad pata nahi achhi sabse pahine ekar etihash padhu takhan vayan dewak koshis karab nani te Bihari ke sawak sikhayab seho janait achhi.