पटना । बिहार मे औषधीय पौधाक व्यापार बढि रहल अछि। किसान क आर्थिक स्थिति मे सुधार अनबाक मकसद स लगाउल गेल सारण जिला क बनियापुर गाम मे औषधीय पौधा आरटीमिशिया एनुआ क नर्सरी एकर गवाह अछि। एहि ठाम किसान कए मुफ्त मे पौधा देल जाइत अछि। किसान द्वारा लगाउल गेल एहि पौधा स जे औषधी रूपी उत्पाद बनैत अछि, ओकरा इप्का लेबोरेटरी कंपनी खरीद लैत अछि। स्थानीय वैद्य क कहब अछि जे एहि पौधा स मस्तिष्क मलेरिया क दवा बनैत अछि। इप्का क संग एखन धरि 100टा स बेसी किसान अनुबंध कए चुकला अछि। फिलहाल 100 एकड मे आरटीमिशिया एनुआ क खेती कैल जा रहल अछि। इडेन सिटी गु्रप क एमडी सच्चिदानंद राय समाज सेवा क मकसद स एहि गाम मे इ नर्सरी लगेने छथि। ओ कहला जे एहि नर्सरी स किसान पौधा ल जाइत छथि आ चारि माह बाद पौधा स उत्पाद तैयार भ गेलाक बाद कंपनी ओकरा कीन लैत अछि। एहि स प्रति एकड किसान कए 35-40 हजार टकाक मुनाफा भ जाइत अछि। राय कहला जे अरकोंच, औषधीय करैला, स्टिबिया आदि औषधीय पौधा क नर्सरी सेहो तैयार कैल जा चुकल अछि। एकर उत्पाद कीनबा लेल सेहो कंपनी से अनुबंध कैल जा रहल अछि।