पटना। विज्ञान आ प्रावैधिकी मंत्री गौतम सिंह कहला अछि जे आर्यभट्ट क वेधशाला कए विकसित कैल जाएत। एकरा लेल शीघ्र एकटा शिष्टमंडल कोलकाता क परिषद स्थित कार्यालय मे अधिकारी स भेंट करबा लेल जाएत। मार्क्सवादी कम्युनिस्ट पार्टी क बासुदेव सिंह क एकटा अल्पसूचित प्रश्न क उत्तर मे सिंह कहला जे मसौढ़ी अनुमंडल स्थित तारेगना टीला पर महान गणितज्ञ आर्यभट्ट क वेधशाला अछि जे जीर्णशीर्ण स्थिति मे अछि। ओ कहला जे आर्यभट्ट क वेधशाला कए विकसित करबा क संगहि हुनकर नाम पर तारेगना मे स्मारक बनेबाक सेहो योजना अछि। सिंह कहला जे तारेगना आओर खगौल क विज्ञान क क्षेत्र मे एकटा एतिहासिक महत्व अछि। ताहि लेल सरकार खगौल आ तारेगना कए ऐस्ट्रो पर्यटन सर्किट क रूप मे विकसित करबाक निर्णय लेलक अछि। एहि दिशा मे कार्रवाई सेहो कैल जा रहल अछि। एकरा लेल राष्ट्रीय विज्ञान संग्राहालय परिषद कोलकाता स अनुरोध कैल गेल अछि आ विभाग दिस स समय -समय पर परिषद क संबंधित अधिकारी कए पत्र सेहो लिखल गेल अछि। ओहि ठाम स सहमति भेटला पर ऐस्ट्रो पर्यटन सर्किट आ वेधशाला पर काज शुरू करि देल जाएत। एहि स देश-विदेश क खगोलविद शोध लेल बिहार अउताह।