• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे बनत केकर सरकार

October 11, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नेहा खातून

मौजूदा हालात मे जखन राजद, लोजपा आ कांग्रेस एकटा पैघ गठबंधन क निर्माण करबा मे विफल रहल, एहन मे संभावना अछि जे भाजपाक कमजोर हेबाक बावजूद नीतीश क सत्ता बरकरार रहि सकैत अछि। वर्तमान सदन मे जदयू-भाजपा गठबंधन कए कुल 243 मे स 143 सीट अछि, जखकि राजद आ सहयोगी कए 65टा सीट अछि।
पिछला किछु चुनाव मे इ देखल गेल अछि जे चुनाव नतीजा फर्स्ट पास्ट द पोस्ट सिस्टम्य (एफपीपीएस) पर निर्भर रहल। एहि सिस्टम मे कोनो पार्टी कए वोट क कम हिस्सेदारी भेटला पर ओकरा कम सीट पर जीत हासिल होइत अछि। एक बेर जखन ओ वोट क प्रतिशत बढ़ेबा मे सफल होइत अछि त ओकर सीट क संख्या मे तेजी स इजाफा होइत अछि। इ क्रम तखन धरि तक जारी रहैत अछि जखन धरि तक ओकर वोट क संख्या बढै़त रहैत अछि। एकर अलावा शीर्षस्थ दल आ दोसर क्रम पर रहनिहार दल क बीच क दायरा सेहो मायने रखैत अछि, जे एहि ठाम काफी बढल अछि।
अगर वर्ष 2005 क फरवरी क चुनाव स नवंबर क तुलना कैल जाए, त राजग क मत मे महज 2 फीसदी क इजाफा भेल अछि आओर हुनका 38 फीसदी मत भेटल, हालांकि सीटवार 20 फीसदी क जबरदस्त फायदा भेल आ 175 विधानसभा क्षेत्र मे बढ़त हासिल भेल। एहन एहि कारण स भेल किया कि राजद आ ओकर सहयोगी क मत मे कमी आईल आ ओ 31 स घटिकए 26 फीसदी पर आबि गेल। जाहिर अछि दूनू गठबंधन क बीच कुल प्राप्त मत क अंतर 12 फीसदी तक जा पहुंचल छल।
वर्ष 2009 क चुनाव मे प्रत्येक 1 फीसदी वोट पर राजग 4.6 सीट पर जीत हासिल केलक। एतबे वोट क एवज मे राजद आ सहयोगी कए 1.5 सीट भेटल। एहि स साफ भ जाइत अछि जे एफपीपीएस क झुकाव सत्तारूढ़ जदयू गठबंधन क दिस रहल अछि।
देखल जाए त राजद अपन सहयोगी क संग पांच वर्ष मे तेसर बेर जदयू गठबंधन स चुनावी मैदान मे दू-दू हाथ करबा लेल तैयार अछि। सवाल इ अछि जे लालू कौन मुद्दा क आधार पर नीतीश कए चुनौती देताह या द रहल छथि? भारतीय राजनीति मे एहन कोनो दोसर उदाहरण तकबा स नहि भेट रहल अछि जतए बाकी चीज समान हेबाक आ कोनो महत्त्वपूर्ण मुद्दा नहि रहला पर कोनो विपक्षी गठबंधन एतबा पैध अंतर कए पाट कए जीत हासिल केलक अछि। राजनीतिक दल मे झगडा आ विरोध होइत रहैत अछि। कखनो टिकट वितरण कए लकए विवाद त कखनो प्रॉक्सी उम्मीदवार (उदाहरण क लेल जेल मे बंद पति क स्थान पर कनिया क चुनाव लडब)। चुनाव दर चुनाव जाति आ अन्य मुद्दा मे सेहो कोई खास परिवर्तन नहि आयल अछि। (की सवर्ण वर्ग नीतीश द्वारा कैल गेल भूमि सुधार क कोशिश क लेल हुनका स तमसाइल अछि? की अयोध्या मामला पर आए फैसला मुस्लिम कए नीतीश स अलग करि देलक अछि?) एकर अलावा राजद क इकलौता आस एंटी इन्कम्बेंसी (सत्ता क खिलाफ रुझान) फैक्टर पर अछि, मुदा 12 फीसदी क अंतर कए पाटबा लेल साधारण परिवर्तन स काज नहि चलत। बिहार लेल राजद लग साइकिल क बदला मे मोटरसाइकिल सन अव्यावहारिक योजना अछि। जखन कि लोजपा सर्वण कए आरक्षण द बिहार कए विकसित बनेबाक दावा करि रहल अछि। कांगेस संग दिक्कत अछि जे ओकरा लग कोनो नेता नहि अछि जे बिहार लेल ब्लूप्रिंट तैयार कए सकए। एहन मे कांग्रेस कए अगर एहि चुनाव मे किछु नीक प्रदर्शन करबाक अछि त ओकरा अपन वोट हिस्सेदारी गत चुनाव क 10 फीसदी स बहुत बेसी करए पडत। तखने जाकए ओकरा किछु आओर सीट पर जीत हासिल भ सकैत अछि।
राजदक एकटा पैघ नेता इ मानैत छथि जे वर्तमान परिस्थिति मे नीतीश क लेल संकट तखन छल जखन राजद, लोजपा आओर कांग्रेस एकसंग मिलकए एकटा नीतीश विरोधी विशाल गठबंधन क निर्माण करिते। अतीत मे इ देखबा मे भेट चुकल अछि जे विभिन्न दल कए अलग-अलग चुनाव लडबाक कोनो फायदा नहि भेटल अछि।
बहरहाल, इ सर्वविदित अछि जे एहि चुनाव मे सही गठबंधन क निर्माण नहि भेल अछि। निश्चित तौर पर अगर राजद, लोजपा आ कांग्रेस मिलकए महागठबंधन बना मैदान मे रहिते त कहानी दोसर छल, मुदा एहन नहि भ सकल। एहन मे लालू प्रसाद क सीधा मुकाबला नीतीश स अछि जखन कि कांग्रेस अपन दम पर चुनाव लड़ि रहल अछि। अगर नीतीश से रूसल आ तमसाइल वोट कांग्रेस कए चल गेल त एक बेर फेर राबडी देवी बिहार विधानसभा मे नेता प्रतिपक्षक रूप मे देखल जेतीह।

Tags: BiharjduljpRJD

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

लोहियाक चेला क राज मे ‘लाल’ क जलवा

बिहार क प्रीति बनलीह रेलवे क पहिल महिला चालक

Esamaad Epaper Website

मिथिला फेर खोलत बिहार मे सत्ता क दुहारि

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि