पटना। बिहार सरकार युवा बेरोजगार कए नियोजनालाय मे ऑनलाइन पंजीकरण क सुविधा एक बेर फेर मुहैया करेबा लेल तैयार भ चुकल अछि। इ सुविधा एक बेर फेर राज्य मे जल्द शुरू भ जाएत। सरकार क मानब अछि जे है एहि स जतए एक दिस युवा बेरोजगार कए नियोजनालय क चक्कर लगेबा स मुक्ति भेट जाएत ओतहि सरकार कए सेहो बेरोजगार क बारे मे सही आ पूर्ण जानकारी उपलब्ध भ सकत।
पिछला एक वर्ष क दौरान राज्य मे बेरोजगार क संख्या मे 4.39 प्रतिशत क वृद्घि दर्ज कैल गेल अछि। विभागीय आंक़डा क अनुसार वर्ष 2009 मे नियोजनालय मे पंजीकृत युवा बेरोजगार क संख्या जतए 8,38,649 छल, ओतहि वर्ष 2010 मे पंजीकृत बेरोजगार क संख्या बढ़िकए 8,75,502 भ गेल अछि।
श्रम संसाधन मंत्री जनार्दन सिंह सिग्रीवाल कहला जे वर्ष 2007 मे सेहो राज्य मे पंजीकरण क ऑनलाइन सुविधा शुरू भेल छल, मुदा किछु तकनीकी कारण स एकरा बंद करि देल गेल छल। ओे कहला जे पिछला साल नियोजन मेला क माध्यम स 61,189 बेरोजगार कए नौकरी प्राप्त भेल अछि। ओ कहला जे जाहि जिला मे नियोजनालय नहि अछि, ओतए नियोजनालय स्थापित कैल जा रहल अछि।