• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे बैंक स ऋण लेब एखनो मील क पत्थर

March 7, 2011
in समाचार
A A

टका जमा करबा लेल तैयार ऋण देबा मे आनाकानी
दरभंगा। बिहार मे बैंक अपन कार्यशैली नहि बदलि रहल अछि। सरकारक लाख धमकी के बावजूद बैंक जेतबा सक्रियता टका जमा करबा मे देखा रहल अछि, ओहि अनुपात मे ऋण देबा मे ओकर आनाकानी कम नहि भेल अछि। बेरोजगार कए कए ऋण मुहैया करेबा मे अधिकतर बैंक फिसड्डी साबित भेल अछि। कम स कम दरभंगा जिला मे त आंकडा इ कहिये रहल अछि। बैंक कार्यालय क रिपोर्ट क अनुसार दिसंबर 10 तक 600 बेरोजगार क आवेदक कए ऋण स्वीकृत कैल गेल छल। जखनकि लक्ष्य 1535 आवेदक कए रोजगार देबाक छल। स्वर्ण जयंती शहरी रोजगार योजना क तहत 435 आवेदक कए ऋण मुहैया करेबाक लक्ष्य छल। जखन कि 15टा बैंक क शाखा केवल 113 आवेदक कए ऋण स्वीकृत केलक अछि। यूनियन बैंक क हालात सबस दयनीय अछि। एहि बैंक कए 10 आवेदक कए ऋण देबाक छल। दिसंबर 10 तक एकोटा आवेदक कए इ ऋण नहि देलक। बैंक आफ इंडिया आ केनरा बैंक सेहो 10 प्रतिशत लक्ष्य क पूर्ति केलक अछि। दोसर दिस आईओबी, इंडियन बैंक, स्टेट बैंक आफ इंडिया, सेंट्रल बैंक आफ इंडिया, पंजाब नेशनल बैंक 30 स 50 प्रतिशत लक्ष्य क पूर्ति केलक अछि। स्वर्ण जयंती ग्राम स्वरोजगार योजना क हाल सेहो नीक नहि अछि। 1100 लक्ष्य क विरुद्ध दिसंबर 10 तक केवल 487 आवेदन स्वीकृत भेल, अर्थात 44.27 प्रतिशत लक्ष्य प्रति भेल। ऋण देबा मे सबस कोताहि केनरा बैंक क रहल अछि। इ बैंक एखन धरि एकोटा आवेदक कए ऋण स्वीकृत नहि केलक अछि। करीब एक दर्जन बैंक क लक्ष्य 50 प्रतिशत तक नहि पहुंच सकल अछि। कुल मिला कए बैंक 44.27 प्रतिशत लक्ष्य क पूर्ति केलक अछि, जे देशव्यापी औसत स कम अछि। जखन कि पिछला साल बैंक मे जमा राशि बढल अछि।
एहि संबंध मे पूछला पर एसबीआइ क जिला प्रबंधक एके झा कहला जे ग्रामीण रोजगार योजना क हालत शहरी स बेहतर अछि। जे शिकायत अछि ओकरा दूर करबा लेल एकटा कमेटी गठित कैल गेल अछि।

स्वर्ण जयंती शहरी रोजगार योजना क स्थिति
एसबीआई-लक्ष्य 80, राशि-20 लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या-26, स्वीकृति राशि लाख मे 10.00 लाख। सीबीआई-लक्ष्य 60, राशि-15 लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या-20, स्वीकृति राशि-10 लाख। पीएनबी-लक्ष्य 40, राशि-10 लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या-14, स्वीकृति राशि 7 लाख। इलाहाबाद बैंक-लक्ष्य-40, राशि-10 लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या-7, स्वीकृति राशि-3.5 लाख। बीओआई-लक्ष्य-30, राशि-7.5 लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या-3, स्वीकृति राशि-0.75। यूनाइटेड बैंक-लक्ष्य-20, राशि पांच लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या-3, स्वीकृति राशि-0.7 लाख। यूको बैंक-लक्ष्य-20, राशि-5 लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या-5, स्वीकृति राशि दो लाख। केनरा बैंक-लक्ष्य-20, राशि-5 लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या-2, स्वीकृति राशि 0.50 लाख। ओबीसी लक्ष्य-10, राशि-2.5 लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या-3, स्वीकृति राशि 0.75 लाख। सिंडिकेट-लक्ष्य-10, राशि-2.5 लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या-4, स्वीकृति राशि 1 लाख। यूनियन बैंक-लक्ष्य-10, राशि-2.5 लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या-0, स्वीकृति राशि 0.00 लाख। बीओबी-लक्ष्य-15, राशि-3.75 लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या-4, स्वीकृति राशि 1.00 लाख। आईओबी-लक्ष्य-10, राशि-2.5 लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या-5, स्वीकृति राशि 3.00 लाख। यूबीजीबी-लक्ष्य-60, राशि-15 लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या-15, स्वीकृति राशि 3.75 लाख।

कुल लक्ष्य संख्या 435, राशि 108.75 लाख, स्वीकृति आवेदक क संख्या 113, स्वीकृति राशि 45.50 लाख।

ग्राम स्वरोजगार योजना क स्थिति
एसबीआई-लक्ष्य-175, पूर्ति आवेदक क संख्या-64, स्वीकृति राशि-161.00 लाख। सीबीआई-लक्ष्य-165, पूर्ति आवेदक क संख्या-45, स्वीकृति राशि-95.00 लाख। पीएनबी-लक्ष्य-59, पूर्ति आवेदक क संख्या-15, स्वीकृति राशि-37.00 लाख। एबी-लक्ष्य-24, पूर्ति आवेदक क संख्या-8, स्वीकृति राशि-20.00 लाख। बीओआई-लक्ष्य-48, पूर्ति आवेदक क संख्या-5, स्वीकृति राशि-12.00 लाख। यूनाइटेड -लक्ष्य-60, पूर्ति आवेदक क संख्या-6, स्वीकृति राशि-12.50 लाख। यूको-लक्ष्य-27, पूर्ति आवेदक क संख्या-2, स्वीकृति राशि-5.00 लाख। बीओबी-लक्ष्य-22, पूर्ति आवेदक क संख्या-9, स्वीकृति राशि-22.75 लाख। यूनियन बैंक-लक्ष्य-14, पूर्ति आवेदक क संख्या-8, स्वीकृति राशि-25.40 लाख। इंडियन बैंक-लक्ष्य-22, पूर्ति आवेदक क संख्या-20, स्वीकृति राशि-50.00 लाख। ओबीसी-लक्ष्य-11, पूर्ति आवेदक क संख्या-2, स्वीकृति राशि-5.00 लाख। केनरा-लक्ष्य-12, पूर्ति आवेदक क संख्या-0, स्वीकृति राशि-0.00 लाख। यूबीजीबी-लक्ष्य-461, पूर्ति आवेदक क संख्या-303, स्वीकृति राशि-757.00 लाख।

कुल लक्ष्य-1100, पूर्ति आवेदक क संख्या-487, स्वीकृति राशि-1202.65

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
Tags: Bihardarbhanga

Related Posts

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

संरक्षित होएत भागलपुर क 100 साल पुरान मकान

Esamaad Epaper Website

फोन पर पीजा नहीं एहि ठाम चाह भेटत

Esamaad Epaper Website

100 दिन - किछु डेग बेहतरी दिस

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि