• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे लागू भेल ‘लोक सेवा अधिकार’

August 15, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। बिहार मे स्वतंत्रता दिवस क मौके पर आइ स लोक सेवा अधिकार अधिनियम लागू भ गेल। आब बिहार मे कोनो काज एकटा तय समय सीमा मे होएत। सरकारी कार्यालय कए चक्‍कर लगेबाक आदिम परंपराक आइ स विदाई भ गेल। जनतंत्र मे जनभावना आओर जनता क अधिकार कए सर्वोपरि बुझैत बिहार सरकार ‘राइट टू पब्लिक सर्विस’ एक्ट (लोक सेवा अधिकार अधिनियम) 15 अगस्त स लागू करि देलक अछि।
ज्ञात हुए जे दू मई कए विधानमंडल मे एहि विधेयक कए पारित हेबा स पूर्व विधेयक क प्रारूप पर आम जनता क सुझाव प्राप्त कैल गेल छल आओर एहि पर सचिव स्तर क अधिकारी क संग विचार- विमर्श कैल गेल छल। एकर बाद मुख्य सचिव स्तर पर बैसार क बाद एहि अधिनियम कए विधानमंडल मे पठाउल गेल छल। वर्तमान समय मे इ सेवा 10टा विभाग मे लागू कैल गेल अछि।
सामान्य प्रशासन विभाग क प्रधान सचिव दीपक कुमार कहला जे एहि कानून कए 15 अगस्त स लागू करबाक पाछु सरकार क इरादा अछि जे कानून कए लागू करबा स पूर्व आधारभूत संरचना कए सुदृढ़ करि लेल जाए। एहि संदर्भ मे सरकार हर जिला मे आईटी मैनेजर आ आईटी सहायक आओर प्रखंड स्तर पर आईटी सहायक सहित अन्य कर्मचारी क व्यवस्था करि लेल गेल अछि। एहि बीच, एक इनहाउस सॉफ्टवेयर ‘अधिकार’ विकसित कैल गेल अछि जेकर माध्‍यम स अधिनियम कए अमल मे आनल गेल अछि।
कुमार कहला जे एहि अधिनियम कए तीन चरण मे पूरा कैल जाएत। प्रथम चरण मे सब आवेदन ऑनलाइन प्राप्त कैल जाएत। इ तरीका 16 अगस्त स प्रारम्भ करि देल जाएत। दोसर चरण मे ऑनलाइन आवेदन लेबाक योजना पर कार्य जारी अछि। इ सेवा 15 दिन मे शुरू भ जाएत, जखनकि तेसर चरण क तहत ऑनलाइन आवेदन लेबाक आ ऑनलाइन सर्विस डिलीवरी क प्रस्ताव पर कार्य जारी अछि।
लोक सेवा अधिकार लेल नोडल पदाधिकारी क स्तर पर सेवा मे कमी हेबा पर 250 रुपये प्रतिदिन जुर्माना आ ओकर कार्य मे कोताही क चर्चा ओकर सेवा इतिहास मे दर्ज करबाक व्‍यवस्‍था अछि। कुमार कहला जे इ नियम प्रथम अपील आ रीजनल अथॉरिटी क स्तर पर सेहो लागू रहत। जनता कए अपन एहि अधिकार क जानकारी लेल सब जिला मे ‘मे आई हेल्प यू’ काउंटर शुरू करि एकर जानकारी सेहो देल जा रहल अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

नेपाल क सामने फेर राजनीतिक गतिरोध

Esamaad Epaper Website

रेल ओवेरब्रिजक मामला मे पटना भेल अव्‍वल

Esamaad Epaper Website

एक सितंबर स भेटत माध्यमिक शिक्षक पात्रता परीक्षा क फार्म

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि