• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे विकासक क इंजन बनल खाद्य प्रसंस्करण उद्योग

April 12, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

एखन धरि 800 करोड़ निवेश, 52टा परियोजना भेल शुरू
पटना । खाद्य प्रसंस्करण क्षेत्र बिहारक विकास क इंजन क रूप मे सामने आबि रहल अछि। इ एकटा एहन क्षेत्र बनि रहल अछि जे बिहार कए विकसित राज्‍यक कतार मे ठार करबा मे महत्‍वपूर्ण भूमिका निभा सकत। बिहार सरकार लग सबस बेसी निवेश प्रस्‍ताव एहि क्षेत्र लेल भेट रहल अछि। सरकारी सूत्रक अनुसार एखन धरि खाद्य प्रसंस्करण मे 800 करोड़ टकाक निवेश भ चुकल अछि आ 52टा परियोजना शुरू सेहो भ चुकल अछि। सूत्रक मानि त करीब एक हजार करोड टकाक निवेश पर गप चलि रहल अछि जे अगिला किछु समय मे जमीन पर देखबा मे भेटत। दरअसल एहि क्षेत्र कए सरकार सेहो अपन प्राथमिकता सूची मे रखने अछि आ सरकार कुल लागत पर 35 फीसदी सब्सिडी सेहो द रहल अछि। एखन धरि सरकार निवेश करनिहार कए कुल 150 करोड़ टका सब्सिडीक रूप मे द चुकल अछि। यैह कारण अछि जे खाद्य प्रसंस्करण उद्योग आइ बिहार लेल निवेशक क पहिल पसंद बनि चुकल अछि। एकर प्रमाण एहि स भेट रहल अछि जे आइ एहि क्षेत्र क कईटा पैघ कंपनी राज्य दिस रुख करि चुकल अछि। जखन कि कईटा पैघ नाम बिहार एबा लेल बेचैन भ रहल अछि।
रुचि सोया स लकए पारले आओर ब्रिटानिया ग्रुप सन कंपनी आइ बिहार मे अपन कारखाना लगा रहल अछि। कईटा छोट खिलाड़ी सेहो एहि क्षेत्र मे पैघ निवेश करि रहल अछि। एहि स राज्य मे काफी टका आबि रहल अछि।
सबस नीक गप इ भ रहल अछि जे इ निवेश राज्‍यक कोनो एक भाग या एकटा शहर तक नहि बल्कि पूरा राज्‍य मे समान रूप स भ रहल अछि। जतए रुचि सोया रोहतास इलाका मे खाद्य इकाई क निर्माण करि रहल अछि, ओतहि पारले ग्रुप क लावण्या फिन्वेस्ट संग मुजफ्फरपुर मे आओर ब्रिटानिया ग्रुप हाजीपुर मे बिस्कुट कारखाना लगा रहल अछि। हाजीपुर इलाका मे बीतल किछु मास क अंदर खाद्य प्रसंस्करण स जुडल कईटा इकाइ मे काज शुरू भेला स काम लोक मे आशा बढल अछि।
कारोबारी लोक सेहो कहैत छथि जे पटना आओर मुजफ्फरपुर स लग हेबाक कारण स हाजीपुर मे किछु तेजी स निवेश भ रहल अछि, मुदा निवेश पूरा बिहार मे देखबा मे भेटैत अछि।
लीची प्रसंस्करण स जुडल एकटा निवेशक कहला जे मुजफ्फरपुर स पैघ मात्रा मे लीची एहि ठाम उपलब्‍ध भ जाइत अछि जेकर प्रसंस्करण कैल जा रहल अछि। पहिने इ काज आन राज्‍य मे होइत छल। एहि काज लेल राज्य सरकार सेहो हमरा सब कए पूरा मदद करि रहल अछि। एहन मे आन निवेशक एक एहि ठाम निवेश करब स्वाभाविक भ गेल अछि।
ज्ञात हुए जे राज्य सरकार खाद्य प्रसंस्करण क्षेत्र कए बढ़ावा देबा लेल अलग स एकटा खाद्य प्रसंस्करण नीति सेहो बनेने अछि। एकर तहत राज्य सरकार एहि क्षेत्र क निवेशक लेल कई तरह क छूट क एलान केने अछि। जे निवेशक कए बिहार दिस एबा लेल मजबूर कए रहल अछि।
एहि नीति क तहत राज्य सरकार परियोजना क कुल लागत क 35 फीसदी सब्सिडी क रूप मे द रहल अछि। परियोजना क कुल लागत क 40 फीसदी रकम निवेशक कए बैंक स कर्ज क रूप मे भेट रहल अछि, इ कर्ज दियेबा मे सरकार अपन दिस स सेहो पहल करि रहल अछि। राज्य सरकार सब्सिडी क मद मे कारोबारी कए एखन धरि 150 करोड़ टका क वितरण करि चुकल अछि।
सरकार मानैत अछि जे इ पहल ओकर हित मे अछि आ एकर नीक परिणाम सामने आबि रहल अछि। सरकारक कहब अछि जे अगर 150 करोड़ टका द कए राज्य मे 800 करोड़ क निवेश भ रहल अछि त इ फायदा क सौदा अछि। एहि स कृषि क्षेत्र क संग संग राज्‍य कए सेहो फायदा भ रहल अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

कनि सोचियउ हम सब 10,38,04,637 भ गेलहुं

सीतामढ़ी-बैरगनिया आओर रून्नीसैदपुर खंड पर चलल ट्रेन

Esamaad Epaper Website

कायम रहत ज्योति क लौ

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि