• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार मे विकासक गति बहुत कम: प्रधानमंत्री

October 17, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020


नरपतगंज । बिहार मे अपन पहिल चुनावी सभा कए संबोधित करैत प्रधानमंत्री डॉ मनमोहन सिंह कहला अछि जे बिहार मे विकास गति बहुत कम अछि।
राज्य क विकास क लेल केन्द्र सरकार द्वारा मुहैया कराउल गेल राशि कए राज्य सरकार आम आदमी तक नहि पहुंचा सकल। ताहि लेल जतए अन्य राज्य तेजी स विकास करि रहल अछि, ओतही बिहार क प्रगति बहुत सुस्त अछि। ओ कहला जे जतए केन्द्र सरकार द्वारा देल जा रहल रकम जनता तक पहुंचल, ओतए राज्य सरकार जनता कए गुमराह केलक। केन्द्र सरकार क योजना कए एहि तरह स पेश केलक जे ओ राज्य सरकार क योजना हुए।
प्रधानमंत्री कहला जे इ बहुत अफसोस क गप अछि जे आजादी क 63 साल बाद बिहार देश क सबस पिछड़ल क्षेत्र मे एकटा अछि। आइ सेहो एहि ठामक 50 फीसदी स बेसी आबादी गरीबी रेखा स नीचा अछि। राज्य मे कोनो पैघ उद्योग नहि अछि। केन्द्र क यूपीए सरकार पिछला छह साल मे कईटा एहन योजना शुरू केलक अछि जे खास तौर पर देश क पिछड़ल क्षेत्र क विकास क लेल अछि, मुदा राज्य सरकार क लापरवाही क कारण एहि स्कीम क पूरा फायदा लोक तक नहि पहुंच पाबि रहल अछि।
प्रधानमंत्री कहला जे बिहार सरकार रकम क इस्तेमाल ठीक तरह स करिते त काफी सुधार भ गेल रहिते। राज्य सरकार क फर्ज बनैत अछि जे ओ केन्द्र स भेटल राशि क सही इस्तेमाल करे। प्रधानमंत्री कहला- हमरा अफसोस क संग कहए पड़ि रहल अछि जे बिहार सरकार अपन एहि फर्ज कए पूरा नहि केलक अछि।
प्रधानमंत्री कहला- हम लगातार इ कोशिश केलहुं जे बिहार मे प्रगति क रफ्तार तेज हुए। बिजली, सड़क, सिंचाई जइसन क्षेत्र क विकास क लेल बिहार कए एकटा विशेष पैकेज क तहत सब साल एक हजार करोड़ टका देल जा रहल अछि। एहि तरहे एहन धरि छह हजार करोड़ देल जा चुकल अछि। बैकवर्ड रीजन ग्रांट फंड क तहत बिहार कए 36 जिला कए हुनकर खास जरूरत क लेल सहायता राशि देल जा रहल अछि। एहि स बिहार क स्वरूप बदलि सकैत छल। एहि ठाम सेहो बिहार सरकार अपन जिम्मेदारी ठीक तरह स नहि निभेलक।
प्रधानमंत्री कहला जे केन्द्र सरकार समाज क समुचित विकास क लेल मनरेगा, राष्ट्रीय ग्रामीण स्वास्थ्य मिशन, सूचना क अधिकार कानून, शिक्षा क अधिकार कानून आ राष्ट्रीय खाद्य सुरक्षा मिशन जइसन कईटा कार्यक्रम लागू केलक अछि। एकरा लागू करबा मे राज्य सरकार खास दिलचस्पी नहि देखेलक। इ एकटा पैघ वजह रहल जाहि स राज्स क विकास नहि भ रहल अछि।
जदयूक नाम लेने बिना प्रधानमंत्री कहला जे किछु एहनो दल अछि जे अपना कए धर्मनिरपेक्ष कहैत अछि मुदा सत्ता मे रहबा लेल एहन ताकत क सहारा लैत अछि, जे समाज कए बांटबाक राजनीति करैत अछि। एहन ताकत मंदिर-मस्जिद क नाम पर दंगा-फसाद करबैत अछि। एहन दल स सावधान रहबाक जरूरत अछि। ओ कहला जे पिछला बीस साल मे अहां सब गैर-कांग्रेसी दल कए बिहार मे सरकार बनेबा क मौका दैत रहलहुं अछि। एहि बेर कांग्रेस कए मौका दी, ताकि हम बिहार क प्रगति क लेल मेहनत स काज करि सकी।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

तथ्य कए नुका रखलाह मनमोहन: नीतीश

विकास तखने होइत अछि जखन नीयत साफ हुए: सोनिया

कांग्रेस संग सरकार नहि बनाएब: लालू

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि