राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय प्रतियोगिता मे परचम लहरा रहल छथि बिहारक कईटा सहोदर बहिन
पटना। दुनियाभरि मे सहोदर बहिनक रूप मे नाम रौशन करनिहारि टेनिस स्टार सेरेना विलियम्स आ वीनस विलियम्स क भांति बिहार मे सेहो कईटा सहोदर बहिन खेल मे अपन परचम लहरा रहल अछि। अंतरराष्ट्रीय आ राष्ट्रीय प्रतियोगिता मे मुजफ्फरपुर क सहोदर बहिन बिहार आ भारतक प्रतिनिधित्व करि रहल छथि। एहि मे स कियो राज्य चैंपियन त कियो जिला चैंपियन सेहो छथि। ज्ञात हुए जे गन्नीपुर निवासी प्रवीण कुमार चौधरी क बेटी प्रज्ञा आ प्रेरणा फुटबॉल क मैदान मे परचम लहरा रहल छथि। प्रेरणा श्रीलंका आ जॉर्डन मे आयोजित अंतरराष्ट्रीय फुटबॉल प्रतियोगिता मे भारतीय टीम क प्रतिनिधित्व करि चुकल छथि। ओतहि, प्रज्ञा अंडर 19 नेशनल टीम मे राज्य क प्रतिनिधित्व करि चुकल छथि। बालूघाट निवासी अशोक कुमार क पुत्री नेहा-कोमल सेहो राष्ट्रीय स्तर पर परचम लहरा रहल छथि। नेहा स्कूल नेशनल स लकए अंडर 10 नेशनल खेल चुकल छथि, जखनकि कोमल हुनका स एक डेग आगू छथि। 2008 मे हुनकर चयन अंतरराष्ट्रीय प्रतियोगिता क लेल भारतीय टीम मे भेल छल, मुदा पासपोर्ट समय पर नहि बनबाक कारण ओ जेबा स वंचित रहि गेलीह। रामचंद्र प्रसाद क बेटी आस्था-श्वेता राष्ट्रीय फुटबाल प्रतियोगिता मे बिहार टीम क प्रतिनिधित्व करि चुकल छथि। अमरूद बगान निवासी अमर कुमार श्रेष्ठ क बेटी निशा-नम्रता वालीबाल मे प्रतिभा देखा रहल छथि। नम्रता स्कूल आ सीनियर नेशनल मे बिहार टीम क प्रतिनिधित्व केलथि अछि, जखनकि निशा अंतर विवि प्रतियोगिता मे बिहार विवि आ राज्य सीनियर प्रतियोगिता मे जिला टीम क प्रतिनिधित्व केलथि अछि। अमरूद बगान निवासी शमशेर बहादुर क पुत्री आरती आ संध्या वालीबाल क मैदान मे बाजी मारि रहल छथि। आरती जतए राष्ट्रीय सीनियर, अंतर विवि आ स्कूल नेशनल मे भाग ल चुकल छथि ओतही संध्या स्कूल क संग-संग सीनियर वॉलीबाल प्रतियोगिता मे जिला टीम क प्रतिनिधित्व केलथि अछि। रवि रंजन श्रीवास्तव क बेटी मनाली-सोनाली सात बेर राष्ट्रीय प्रतियोगिता मे बिहार क प्रतिनिधित्व केलथि अछि। वुशू क राष्ट्रीय प्रशिक्षक दिनेश मिश्रा क बेटी ईशा आ अपराजिता जिला स्तर स राष्ट्रीय स्तर पर स्वर्णिम सफलता हासिल केलथि अछि। ईशा न सिर्फ बिहार क सबस कम उम्र क ब्लैक बेल्ट छथि बल्कि राष्ट्रीय प्रतियोगिता मे दूटा स्वर्ण, तीनटा रजत आ एकटा कांस्य पदक सेहो जीत चुकल छथि। हुनकर छोटकी बहिन अपराजिता सेहो जिला प्रतियोगिता मे स्वर्ण पदक जीत चुकल छथि। जवाहर लाल रोड निवासी पवन कुमार क तीनू बेटी बेटी सुप्रिया-पल्लवी आ श्रेया अपप परचम वुशू मे लहरा रहल छथि। सुप्रिया चारि बेर क नेशनल गोल्ड मेडलिस्ट छथि, जखनकि पल्लवी नेशनल मे कांस्य जीत चुकल छथि। श्रेया पिछला वर्ष क जिला प्रतियोगिता मे रजत पदक जीत चुकल छथि। ओतहि, कबड्डी मे सोनू आ लक्ष्मी, कैरम मे रिंकी आ रश्मि सगी बहिन भ मैदान मे बाजी मारि रहलछथि।