बिहार, छत्तीसगढ़, यूपी समेत देशभरिमे आइ मानसून कमजोर नजरि आबि रहल अछि. मौसम विभागक मानब त’ दिल्ली, झारखंड समेत आन भागमे एक सितंबर स’ फेर बरखाक दौर शुरू होमयवला अछि. एम्हर, मध्य प्रदेशक बाद गुजरात आ राजस्थानमे आइ नीक बरखा होयबाक संभावना अछि. एहनमे आउ जानी आन राज्यक स्तिथि..
महाराष्ट्रमे आजुक मौसम
भारत मौसम विज्ञान विभाग (आईएमडी) केj आंकड़ाक अनुसार भारतमे अगस्तक मासमे पछिला 44 सालमे सभ स’ बेसी बरखा भेल अछि जतय देशक कतेको भागमे बाढ़िक स्थिति अछि. आईएमडीक अनुसार अगस्त मासमे 28 तारीख धरि 25 प्रतिशत बेसी बरखा दर्ज कयल गेल अछि.
राजस्थानमे आजुक मौसम
अगिला 24 घंटाक दौरान महाराष्ट्रक उत्तरी एवं मध्य तटीयक किछु भागमे आइयो बरखा होयबाक संभावना अछि. एहि दौरान कोंकण गोवा, मराठवाड़ा, विदर्भ संग आन भागमे हल्का मध्यम बरखा जारी रहत. जखनकि, बाकि, भागमे बरखा गतिविधि कम भ’ जायत.
झारखंडमे कहिया स’ होयत बरखा
उत्तर एवं पश्चिमी क्षेत्र जेना चुरू आ गंगानगर सन इलाकाके छोड़ि देब त’ राजस्थानक बाकि भागमे आइ मध्यमस’ भारी बरखा होयबाक संभावना अछि. जखनकि, विभागक मानब त’ वीकेंड पर पर माने आइ मौसम बेसी भागमे साफ एवं शुष्क बनल रहत. मुदा, ओतहि, आइ आ काल्हि रांची आ आसपासक भागमे कतहु-कतहु गर्जनक संग ठनका ठनकि सकैत अछि. तत्काल ओहिठाम नीक रौद उगल अछि.
गुजरातमे आइ मानसून उग्र
एक सितंबर झारखंडक कतेको भागमे भारी बरखाक अनुमान अछि. मौसम विभाग एहि दौरान झारखंडक राजधानी रांची आ आसपासक इलाकाके छोड़ि आन भागमे भारी बरखाक संभावना जतओलक अछि. यद्यपि, एहि दौरान रांची आ आसपासक इलाकामे ठनका केर चेतउनी देल गेल अछि. ओतहि, दू आ तीन सितंबरके घनगर मेघ पसरल रहत आ कतेको स्थान पर हल्का स’ मध्यम बरखा भ’ सकैत अछि.
मध्य प्रदेशमे आजुक मौसम
गुजरातक पूर्वी-पश्चिमी हिस्सा संग सौराष्ट्र आ कच्छ केर अलावा सभ ठाम आइ मध्यम स’ भारी बरखा होयबाक संभावना अछि. स्काईमेट वेदर रिपोर्टक मानब त’ कतेको भागमे एहनो भ’ सकैत अछि जतय 50 मिमीस’ बेसी बरखा दर्ज कयल जा सकैत अछि. जखनकि, किछु भागमे त’ 100 मिमीस’ बेसी बरखा होयबाक संभावना नजरि आबि रहल अछि. अगिला 12 घंटाक दौरान मध्य प्रदेशक पश्चिमी भाग जेना- ग्वालियर स’ ल, इंदौर, उज्जैन, अदलाम, धार, मंसौर संग आन भागमे आइ राति धरि बरखाक गतिविधि देखबाक लेल भेटत.मुदा, काल्हि स’ एहिठाम मानसूनी प्रभाव बहुत कम भ’ जायत.
देशभरिमे मानसून कमजोर, एक स’ होयत झमटगर बरखा
मध्य प्रदेश पर मानसूनक उग्र प्रदर्शनक बाद इ राज्यक उत्तरी भाग माने गुजरात आ राजस्थानक दिस शिफ्ट भ’ गेल अछि. बीतल 24 घंटामे मध्य प्रदेश एवं महाराष्ट्रक तटीय भागमे सभ स’ बेसी बरखा दर्ज कयल गेल अछि. विभागक अनुसार राज्यमे आइयो मध्यम स’ तेज बरखा होयबाक संभावना अछि. बेसी भागमे घनगर मेघ पसरल अछि. अगिला 12 घंटाक दौरान मध्य प्रदेशक पश्चिमी भाग जेना- ग्वालियर स’ ल, इंदौर, उज्जैन, अदलाम, धार, मंसौर समेत आन भागमे आइ राति धरि बरखाक गतिविधि देखबाक लेल भेटत. मुदा, काल्हि स’ एहिठाम मानसूनी असरि बहुत कम भ’ जायत.