पटना। गप चीनक अछि, बेजिंग क सबस व्यस्त चौराहाक छोट सन कैफे क मे काज करिनिहार एकटा बालक भारतीय स विकासक गप करबाक क्रम मे कहैत अछि जे चीन अहां स सब मामला मे आगू देखा रहल अछि मुदा आइटी मामले मे हमसब भारत स कनि पाछु छी, मुदा बेसी दिन पाछु नहि रहब किया कि हमसब इ गप सोचबा लेल तैयार भ चुकल छी। चीनक विकासक इ एकटा छोट सन सपना अछि जे छोट सन कैफे मे काज करिनिहार लोक देख रहल छल। आइ बिहार ओहि बाट पर आगू बढि रहल अछि। बिहार मे बच्चा-बच्चा राज्यक कए विकसित करबा लेल सपना देख रहल अछि आ ओकर सपना ओकर पेंटिंग मे साकार भ सामने आबि रहल अछि। स्कूल क बच्चा बिहार दिवस पर शुभकामना कार्ड तैयार करबा मे जुटल अछि। एहि स ओकर चित्रकला आ सोच परिलक्षित भ रहल अछि, ओकर अपन राज्यक प्रति आसक्ति सेहो देखबा लेल भेट रहल अछि। बिहारक भविष्य बिहार लेल चिंतित भ चुकल अछि। बिहारक विकास लेल इ शुभसंकेत अछि।
बिहार दिवस पर मानव संसाधन विकास विभाग एकटा थीम -आपके सपनों का बिहार कैसा हो? स्कूल कए पठेलक अछि आ स्कूल प्रबंधन कए कहलक अछि जे एहि थीम पर बच्चा स शुभकामना कार्ड बनवाउल जाए। एहि प्रस्ताव पर बच्चा क दिस स जबर्दस्त रिस्पांस भेटल अछि। महज दस दिन क भीतर बच्चा द्वारा तैयार कैल गेल सपना स सुसज्जित हजारो कार्ड विभाग कए भेट चुकल अछि। ओहि मे स एक हजार चुनिंदा कार्ड कए छांटल जा रहल अछि जे 22 मार्च कए आयोजित मुख्य समारोह मे आयल विशिष्ट अतिथि कए देल जाएत।
बच्चा थीम कए जेना अपन रंग स बुझेबाक कोशिश केलक अछि ओ इ विश्वास कए आर मजबूत करैत अछि जे बिहार क भविष्य एकर वर्तमान स बेसी बुझनुक अदि। ढेर सपना स सजल कार्ड में विश्वासक कईटा रंग क बेहतरीन समावेश कैल गेल अछि। इ कार्ड एहि गपक परिचायक अछि जे बच्चा मे केवल चित्रकार बनबाक कीटाणु मौजूद नहि अछि, बल्कि हुनका मे राज्यक विकसित करबाक क्षमता सेहो अछि, जरूरत अछि बस हुनका सही दिशा मे ल जेबाक। कार्ड मे बिहार क ऐतिहासिक धरोहर क सेहो चित्रांकन अछि त मौजूदा सरकार क कार्यकाल क विकास क फूल क खुशबू सेहो भेटैत अछि।
बिहार दिवस पर बनाउल गेल एहि कार्ड मे कतहु बिहार क बेटी क उड़ान देखबा मे भेटैत अछि त कतहु मुख्यमंत्री साइकिल योजना स उत्साहित बच्चा देखइत अछि।
किछु बच्चा कार्ड मे अपन भावना शब्द क माध्यम स हो व्यक्त केने अछि। एकटा बच्चा लिखने अछि-बिहार कए बेहतर बनेबाक अछि, हम बच्चा कए बहुत किछु करि कए देखेबाक अछि .. करि हम स किछु एहन किछु जाहि स बिहार क हुए गौरव। इ सोच वाकई अगर बिहारक बच्चा मे पैदा भ गेल अछि त एकरा आगू बढबा स आब कियो नहि रोकि सकैत अछि। विकास क दिस तेजी स डेग बढा रहल राज्य क नव पीढ़ी क इ सोच संभावना क नव द्वार खोलि रहल अछि।