पटना। बिहार लोकायुक्त विधेयक 2011 कए बिहार विधानसभा ध्वनिमत स पारित करि देलक। राज्यपाल क मंजूरी क बाद इ विधेयक कानून बनि जाएत। बिहार विधानसभा मे अध्यक्ष उदय नारायण चौधरी लोकायुक्त विधेयक 2011 कए सदन में मतविभाजन लेल रखलथि, जेकरा ध्वनिमत स पारित करा लेल गेल। हालांकि विपक्ष एहि विधेयक में संशोधन क प्रस्ताव रखने छल, जेकरा खारिज करि देल गेल। एहि स पूर्व संसदीय कार्य मंत्री विजेन्द्र प्रसाद यादव सदन क पटल पर एहि विधेयक कए रखने छलाह। एकर बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, विपक्ष क नेता अब्दुल बारी सिद्दीकी सहित कईटा नेता विधेयक क पक्ष आ विपक्ष में अपन राय रखलथि। उल्लेखनीय अछि जे मुख्यमंत्री स ल कए ग्राम पंचायत क प्रमुख तक कए लोकायुक्त क दायरे में राखल गेल अछि।