पटना। पर्यटन मंत्रालय क पहल पर चीन क टूर ऑपरेटर क छह सदस्यीय टीम बुद्ध सर्किट क रोड मैप तैयार करबा लेल पटना पहुंचल अछि। टीम क नेतृत्व करि रहल बेंसन चान कहला जे चीन क अधिकतर लोक बुद्ध सर्किट क भ्रमण करबा लेल तैयार छथि। एकरा लेल रोड मैप तैयार कैल जा रहल अछि। चीन वापस गेलाक बाद बुद्ध सर्किट लेल टूर पैकेज तैयार करब। ओ कहला जे बुद्ध सर्किट मे सुविधा क अभाव नजरि आबि रहल अछि। जगह-जगह फ्रेश हेबाक आ विश्राम करबाक सुविधा नहि अछि। टीम मे चाहू यांग, लीन जहांजी, जियांग चाहंगू, चू केवाक यांग, डांग यांग हिलिंग आ चान होतूसन शामिल छथि। टूर ऑपरेटर क कहब अछि जे रोड मैप तैयार भेला स चीन क लोक आसानी स बुद्ध सर्किट क परिभ्रमण क लाभ उठा सकताह। चाइनीज टूर ऑपरेटर कपिलवस्तु आ कुशीनगर सहित कई स्थल क भ्रमण करि चुकलाह अछि। शनिदिन टूर ऑपरेटर राजभवन आ शहीद स्मारक क अवलोकन केलथि। जगह-जगह लागल महापुरुष क प्रतिमा कए कैमरा मे कैद केलथि। टूर ऑपरेटर पटना म्यूजियम सेहो गेलाह।