बेंगलुरु। भारत मे विकास क पायदान पर पिछड़ल राज्य बिहार 2008-09 मे 11.03 फीसदी क विकास दर की हासिल केलक चारू दिस स राज्यक गुणगाण शुरू भ गेल अछि। पिछला एक माह क आंकड़ा कहैत अछि जे बिहारक एहि उपलब्धिपर लगभग सबटा अखबार अपन संपादकीय लिखलक अछि। आब कम स कम देशक लोक इ मानबा लेल तैयार भ गेल अछि जे आईटी सन सेक्टर में सेहो बिहार मे ओहने मौका अछि, जेहन देश क अन्य जगह पर।
तेकर मुख्य कारण इ अछि जे नीतीश सरकार आईटी सेक्टर पर फोकस करि रहल अछि आईटी पॉलिसी पर अमल भ रहल अछि। बिहार मे बनल आइटी नीति मे आईटी कंपनी कए फायदावाला कईटा पेशकश कैल गेल अछि। बिहार क उपमुख्यमंत्री आ वित्तमंत्री सुशील कुमार मोदीक मानी त बिहार स जे लोक नौकरी क तलाश मे बाहर गेल छलाह, ओ घर लौटबा लेल तैयार भ रहल छथि। एकटा सर्वे क अनुसार बिहार स पैघ पैमाना पर आईटी प्रफेशनल दुनिया भर मे अपन लोहा मनवा रहल छथि। असगर बेंगलुरु मे सवा लाख आईटी प्रफेशनल बिहार स छथि। ऐहन मे बिहार कए बेंगलुरु क बाद सबस पैघ आईटी डेस्टिनेशन बनेबाक कोशिश भ रहल अछि। चूंकि बेंगलुरु सन शहर मे रहब आब महग भ गेल अछि, एहन मे आईटी कंपनी सब टियर-1 आ टियर-2 शहर जेना पटना आ जयपुर क दिस रुख करबा लेल लगभग तैयार भ गेल अछि। बिहार मे कंपनी खोलबा लेल कई आईटी कंपनी आ सरकारक बीच वार्ता सेहो भ गेल अछि।