• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बैंक अपन कार्यशैली सुधारबाक लेल प्रयास करए: नीतीश

May 19, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे बैंकिंग सेवा कए प्रदान करबा मे भ्रष्टाचार चिंता क विषय अछि। बैंक स ओ आग्रह केलथि जे बैंक ऋण वितरण क पारदर्शी तरीका निकालल जाए। बैंकिंग मे अगर भ्रष्टाचार बढल त ओ लोकक विश्वास गवां देत। बैंक प्रबंधन कए एहि गप पर निगरानी रखबाक जरूरत अछि जे लीकेज कतए कतए अछि। मुख्यमंत्री नव वित्तीय वर्ष क पहिल राज्य स्तरीय बैंकर्स कमेटी (एसएलबीसी) क बैठक मे इ गप कहलाह। एहि मौका पर उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे जे बैंक एसीपी (वार्षिक साख योजना) क दस प्रतिशत स कम हासिल केलक अछि ओकरा इ सोचबाक चाही जे हुनका बिहार मे काज करबाक कोनो मतलब अछि बा नहि। मुख्यमंत्री कहला जे बिहार मे गरीबी अछि तखनो बैंक क डिपाजिट बढैत जा रहल अछि। एहन मे बैंक क सेहो किछु कर्तव्य बनैत अछि। कृषि आ ओहि स संबंधित अन्य सेक्टर मे बेसी स बेसी ऋण देबाक चाही। बुनकर कए ऋण भेटबाक चाही। माइक्रो फाइनेंस क क्षेत्र मे बैंक क उदार रवैया बहुत जरूरी अछि। एखनो 9000 स बेसी गाम बैंकिंग सेवा स नहि जुड़ल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे किसान क्रेडिट कार्ड (केसीसी) देल जा रहल अछिमुदा ओहि मे भ्रष्टाचार क गप सुनबा मे आबि रहल अछि। व्यक्ति कए पता नहि अछि जे हुनकर नाम स केतबा क केसीसी अछि आओर केतबा राशि क निकासी भ जाइत अछि। इंदिरा आवास मामला मे सेहो बिचौलिया हावी अछि। पासबुक बिचौलिया क हाथ मे कोना चल जाइत अछि आ ओ कमीशन कोना ल जाइत अछि। एहि लेल इ जरूरी अछि जे ऋण वितरण क पारदर्शी तरीका निकालल जाए। ओ उदाहरण देलथि जे राज्य सरकार क भूजल सिंचाई परियोजना मे कोनो गुंजाइश नहि अछि एहि लेल ओहि मे एसीपी क तहत उपलब्धि काफी कम अछि। बैंक प्रबंधन अपन लोक कए समय रहैत इ बुझा दथि जे लोक आब भ्रष्टाचार बर्दाश्त करबा लेल तैयार नहि अछि। उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे बैंक अगर ठीक स प्रयास केने रहिते त हम एसीपी क तहत पूरा उपलब्धि हासिल करि सकैत छलहुं। बारह जिला क हाल इ अछि जे ओहि ठाम लक्ष्य क तहत उपलब्धि पचास प्रतिशत स नीचा अछि। अगर कोई बैंक एसीपी क पचास फीसदी स कम हासिल करैत अछि त बैंक क माध्यम स ओहि पर कार्रवाई क प्रावधान रहबाक चाही। उप मुख्यमंत्री कहला जे एहि पर सेहो ध्यान देल जाए जे फसल बीमा क राशि किसान क खाता मे किया देरी स पहुंच रहल अछि। नव वित्तीय वर्ष मे एसीपी 43 हजार, 200 करोड़ क अछि। वित्तीय वर्ष 2010-11 मे सीडी रेशियो 33.99 प्रतिशत दर्ज कैल गेल। भोजपुर, सीवान, सारण आ लखीसराय मे सीडी रेशियो 25 प्रतिशत स कम दर्ज भेल अछि। 2010-11 मे एसीपी क तहत 37000 करोड़ ऋण वितरण क लक्ष्य छल आओर 25551.56 करोड़ ऋण बांटल गेल जे लक्ष्य क 69.06 प्रतिशत अछि। स्टेट बैंक क अध्यक्ष प्रतीप चौधरी कहला जे हुनकर बैंक द्वारा लागू कैल जा रहल स्कीम मे भ्रष्टाचार क प्रति जीरो टॉलरेंस क नीति अपनाउल गेल अछि।

Tags: bankBiharnitish kumar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

इपत्रिका क रूप मे सेहो अंतिका

Esamaad Epaper Website

लखीसराय आ बेगूसराय मे बनत नव औद्योगिक पार्क

Esamaad Epaper Website

आखिर बिहारक किसान संग इ अन्‍याय किया

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि