• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बैंक मे जमा अछि बिहारीक एक लाख करोड़

December 14, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । बिहारीक एक लाख करोड़ स बेसी टका बैंकक राज्य मे स्थापित विभिन्न शाखा मे जमा अछि। एकर बावजूद बिहारी कए ऋण देबा मे बैंक कोताही करैत अछि। इ खुलासा राज्यस्तरीय बैंकर्स कमेटी क बैठक मे भेल। बैठक क बाद उपमुख्यमंत्री सह वित्तमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे लघु आ अति लघु औद्योगिक इकाइ मे दिलचस्पी रखनिहार लेल जल्द एकटा सम्मेलन आयोजित भ रहल अछि। लोक नौकरी क मोह त्याग उद्योग लगेबा लेल सामने आबथि। एक करोड़ टका तक क कर्ज बिना बंधेज क भेटत। कम कर्ज देबा मे कंजूस बैंक मे सरकारी धन नहि रहत। मोदी कहला जे अनेक बैंक कर्ज वितरण मे काफी कोताही बरैत रहल अछि। एहन बैंक क बारे मे जिलाधिकारी स कहल गेल अछि जे ओहि मे सरकारी धन कए जमा नहि कैल जाए। प्राइवेट बैंक मे त एकदम नहि। ओ कहला जे सरकार बैंक स डेयरी, मुर्गी पालन, मछली पालन, कृषि संयंत्र आ भू-जल सिंचाई योजना क लेल तत्काल कर्ज मुहैया करेबा लेल कहलक अछि। एकरा लेल जनवरी-फरवरी आ मार्च मे 10 तारीख कए हर प्रखंड मे कृषि मेला लगाउल जाएत। जाहि ठाम कृषि, सहकारिता, लघु सिंचाई, राजस्व आ भूमि सुधार विभाग आओर बैंक क अधिकारी मौजूद रहताह। तत्काल कैंप स्थल पर कर्ज क मंजूरी दैत। कैंप मे किसान क्रेडिट कार्ड (केसीसी) क सेहो वितरण होएत। एहि साल 20 लाख गोटे क बीच केसीसी वितरित कैल जेबाक लक्ष्य अछि। ओ कहला जे विकास आयुक्त क अध्यक्षता मे एकटा कमेटी गठित कैल गेल अछि। कमेटी देखत जे ब्याज क दर कोना कम कैल जा सकैत छै। बैंक मे बढल भ्रष्टाचार पर मोदी कहला जे एहि संबंध मे जल्द कार्रवाई कैल जाएत। बैंक लग अपन निगरानी दस्ता अछि मुदा ओ सक्रिय नहि अछि, राज्य सरकार देख रहल अछि जे कोनो अपन निगरानी विभाग स एहि पर कार्रवाई क सकैत छी। ओना ग्रामीण आ सहकारिता बैंक क अधिकारिक शिकायत राज्य निगरानी स कैल जा सकैत अछि।

Tags: बि‍हार

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

अविश्वसनीय मुदा सच, खत्म भ गेल विधायक कोटा

बाट लेल हटला भगवान

बिहार माडल कए अन्य प्रदेश मे सेहो लागू करए राजग: सिद्दीकी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि