प्रीतिलता मल्लिक
पटना/राजगीर। नीतीश कुमार 17 जनवरी से फेर यात्रा पर निकलताह। एहि बेर ओ बोधगया आ फेर वैशाली मे प्रवास करताह। एकर बार मुख्यमंत्री छपरा-सीवान सेहो जेताह। जानकारी क अनुसार मुख्यमंत्री 17 आ 19 जनवरी कए वैशाली जेताह। वैशाली आ बोधगया मे मुख्यमंत्री तीन-तीन दिन रहताह आ एहि दौरान विकास योजना क समीक्षा करताह।
एहि स पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलथि जे बिहार क विरासत आ धरोहर कए सहेजबाक हुनकर प्रयास जारी रहत। हुनकर अगिला प्रवास बोधगया आ वैशाली मे होएत। मुख्यमंत्री कहलथि जे बिहार क धरोहर आ विरासत समृद्ध अछि। बंटवारा क बाद खान-खाद्यान्न झारखंड चलि गेल। हमर हक मे समृद्ध धरोहर आ विश्वविख्यात विरासत मात्र बचल अछि। हम एहि कए संरक्षित, व्यवस्थित आ विकसित करि सूबा कए विकास क रास्ता पर चलेबाक संग-संग राज्य क गौरवशाली अतीत कए पुनर्जीवित करब। अपन राजगीर प्रवास क दौरान मुख्यमंत्री लोजपा प्रमुख रामविलास पासवान आ राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव क कटाक्ष पर फेर पलटवार केलथि।