पटना। अलग-अलग राज्य स अबै वाला पर्यटक कए लेल बिहार मे एयर टैक्सी सेवा शुरू कएल जाइत। एहि सेवा क तहत राज्य भरि मे बौद्घ स्थलक सैर कराउल जाइत। एकर जानकारी पर्यटन विभाग क एक टा अधिकारी देलाह। एहि सेवा क माध्यम स बिहार बौद्घ स्थल कए एक लिंक मे जोड़ल जाइत। राज्य क पर्यटन विभाग क प्रमुख सचिव रश्मि वर्मा कहलथि जे इ व्यवस्था अगिला साल स शुरू भ जाइत। वर्मा कहलथि जे बिहार मे विदेशी पाहुनक बढ़ैत संख्या क देखैत इ परियोजना शुरू कएल जा रहल अछि संगहि पर्यटन स्थल क सुविधा मे सेहो वृद्घि कएल जा रहल अछि। वर्मा कहलथि जे पर्यटन विभाग एहि योजना लेल पवन हंस क संग एक टा सहमति पत्र पर हस्ताक्षर करत। एहि योजना क तहत बोध गया, नालंदा, वैशाली, मोतीहारी, भागलपुर आ किछु आओर स्थल जोड़ल जाएत। एकटा सरकारी रिपोर्ट क अनुसार 3,56,446 विदेशी पर्यटक क 2008-09 मे बिहार क दौरा केलथि। जखन कि वर्ष 2007-08 मे इ आंकड़ा 1,77,362 छल। वर्ष 2006-07 मे त 94,446 स कम रहल छल, जखन कि 2005-06 मे 63,301 विदेशी पाहुन बिहार भ्रमण पर आइल छला।