मुजफ्फरपुर। बच्चा क कपड़ा बनेनिहार लिलिपुट किडवीयर्स लि. मुजफ्फरपुर मे अपन नव यूनिट लगा रहल अछि। राज्य सरकार आ कंपनी क मुताबिक एहि यूनिट स जल्द उत्पादन शुरू भ जाएत। लिलिपुट कंपनी करीब 15 करोड़ टका एहि ठाम निवेश करि रहल अछि। एहि लेल राज्य सरकार आ कंपनी क अधिकारी क बीच एकटा बैसार भेल अछि आ आशा कैल जा सकैत अछि जे एहि ठाम स उत्पादनक तिथि क घोषणा शीघ्र कैल जाएत। लिलिपुट कंपनी क एहि यूनिट क निर्माण स लगभग चार हज़ार लोक कए सीधा रोजगार भेटत। राज्य क उद्योग विभाग क प्रधान सचिव सीके मिश्र क अनुसार राज्य मे कुशल कामगार क कमी नहि अछि आ नोएडा सन जगह मे बिहारक कारिगरक मांग चरम पर देखल जा रहल अछि। एहन मे बिहारक लोक कए नोएडा या आन शहर जेबा स बचेबा लेल बिहार मे रोजगारक व्यवस्था करबा लेल सरकार हर संभव प्रयास कए रहल अछि। राज्य मे पिछला किछु साल मे कारोबार क माहौल सेहो काफी सुधरल अछि दोसर जे राज्य क नवका औद्योगिक निति मे सुधार सेहो निवेशक कए ध्यान मे राखि कैल गेल अछि। कंपनी क अधिकारी सेहो मानैत छथि जे दिल्ली एनसीआर क अधिकतर कारखाना मे कर्मचारी बिहार क आ खास कए उत्तर बिहार क काज कए रहल अछि। एहन मे कंपनी सोचलक जे किया ने मुजफ्फरपुर मे एकटा यूनिट स्थापित कैल जाए। ओनाओ एक जमाना मे इ शहर मफतलाल क सबस पैघ शेयर धारक छल आ आइ सेहो इ देश मे कपडा निर्माण लेल सबसे बेसी दर्जी दैत अछि। कंपनी क एकटा अधिकारी कहला जे कंपनी क इ यूनिट खुललाक बाद एहि ठामक लोक कए एहि काज लेल आन ठाम जेबाक मजबूरी नहि रहत। जखन कि कंपनी कए लागत मे कमी आउत। जाहि स मंदीक माहौल स एहि उद्योग कए निकलबाक मौका भेटत।