भागलपुर । केंद्रीय खाद्य आ प्रसंस्करण मंत्री सुबोध कांत सहाय कहलथि अछि जे ओ बिहार कए मेगा फूड पार्क देबाक कोशिश मे लागल छथि। सहाय क अनुसार भागलपुर मे खाद्य प्रसंस्करण क हब बनबाक पूरी संभावना अछि। किया की स्थानीय स्तर पर मक्का, केला, आम, कतरनी चाउर आ कई अन्य तरकारी क प्रचुर मात्रा मे पैदा हेबाक अलावा दुमका, पूर्णिया, कटिहार आ खगड़िया सेहो एहि ठाम स लग अछि। जतय कई प्रमुख फसल क पैदावार प्रचुर मात्रा मे होइत अछि। ओ सीआईआई द्वारा खाद्य प्रसंस्करण मंत्रालय क सहयोग स आयोजित निवेशक सम्मेलन मे बाजि रहल छलाह। ओ कहला जे पूर्णिया द्वारा पैदा कैल जा रहल बेबी कॉर्न क मांग पूरा दुनिया मे अछि मुदा स्थानीय किसान कए एकर लाभ नहि भेट पाबि रहल अछि। ओ कहला जे खाद्य प्रसंस्करण उद्योग लगेला पर पांच साल तक आयकर नहि वसूलल जाएत। ओ कहला जे हुनकर मंत्रालय एहि उद्योग क स्थापना क लेल निजी उद्यमी कए 50 लाख टका, कोल्ड चेन क स्थापना पर 10 करोड़ आ मेगा फूड पार्क क स्थापना पर 50 करोड़ तक क सब्सिडी प्रदान करि रहल अछि।
ओ कहला जे देश मे दोसर हरित क्रांति अनबाक प्रधानमंत्री क सपना बिहार स पूरा होएत। ओ कहला ले राज्य सरकार कए सेहो खाद्य प्रसंस्करण उद्योग क लेल नई नीति बनेबाक चाही
सहाय एहि अवसर पर सबौर मे प्रस्तावित कृषि विश्वविद्यालय मे खाद्य प्रसंस्करण तकनीक सिखेबाक क्षेत्रीय कार्यालय खोलबाक घोषणा सेहो केलथि। एकर जरिए डिप्लोमा आ डिग्री कोर्स कैल जा सकैत अछि। एकर पूरा व्यवस्था केंद्र सरकार करत। एहि मौका पर भागलपुर क सांसद आ पूर्व केंद्रीय मंत्री शाहनवाज हुसैन कहला जे बंटवारा क बाद राज्य मे केवल खेती योग्य जमीन बचल अछि, एहन मे एहि जमीनक भरपूर उपयोग सूबा क विकास लेल करबाक चाही। बिहार क पूर्व विधानसभाध्यक्ष सदानंद सिंह सेहो एहि अवसर पर मौजूद छलाह।