भागलपुर। अगर सब किछु ठीक-ठाक रहल त भागलपुर-बांका रेलखंड पर ट्रेन क फेरा बढि़ सकैत अछि। धौनी आ टेकानी स्टेशन पर क्रासिंग बनिकए तैयार भ चुकल अछि। आब मात्र नन इंटर लाकिंग क काज बचल अछि। एकरा लेल मेगा ब्लाक लेबाक तैयारी शुरू करि देल गेल अछि। संगहि बाराहाट आ बांका स्टेशन पर एकटा आओर अतिरिक्त लाइन क निर्माण काज लगभग पूरा करि लेल गेल अछि। ज्ञात हुए जे भागलपुर स बाराहाट स्टेशन क बीच क्रासिंग स्टेशन नहि छल। एहि कारण रेल परिचालन मे भारी परेशानी भ रहल छल। बाराहाट आ बांका स्टेशन पर मात्र दूटा लाइन छल। एहि ठाम एकटा आओर अतिरिक्त लाइन बिछा देल गेल अछि। बाराहाट स ट्रेन क खुलबाक बाद भागलपुर पहुंचलाक पर दोसर ट्रेन कए भागलपुर स बांका या मंदारहिल स्टेशन क लेल विदा कैल जाइत अछि। एकर अलावा टेकानी स्टेशन क नव भवन आ दूटा अतिरिक्त लाइन बिछेबाक काज सेहो लगभग पूरा करि लेल गेल अछि। एकटा मेन लाइन क अलावा दूटा लूप लाइन बनल अछि। मालदा रेल मंडल अन्तर्गत एहि ठाम पहिल बेर 60 किलो वजन क रेल पटरी बिछाउल गेल अछि। एहि स पहिने 52 किलो वजन क रेल पटरी बिछाउल जा रहल छल। धौनी स्टेशन क भवन निर्माण काज सेहो करीब-करीब पूरा करि लेल गेल अछि। एहि ठाम सेहो एकटा मेन लाइन क संग दूटा लूप लाइन बिछाउल गेल अछि।