भागलपुर। तंगहाली मे जी रहल बुनकर लेल आशा क किरण देखा रहल अछि। भागलपुर क पंखाटोली मे यार्न बैंक खुलबाक सुर सार शुरू भ चुकल अछि। भागलपुर क्षेत्रीय हस्तकरघा बुनकर सहयोग संघ यार्न बैंक क संचालन करत। एहि बैंक क संबंध मे एनएचडीसी (नेशनल हैंडलूम डेवलपमेंट कॉरपोरेशन) क मुख्य प्रबंधक ईश्वर बी. पाटिल कहला जे यार्न बैंक खोलबा लेल मंजूरी भेट गेल अछि। एहि ठाम स बुनकर कए ओहि दाम पर धागा उपलब्ध भ सकत जाहि दाम पर पैघ पैघ मिल सब कए भेटैत अछि। कलस्टर स जुडि कए बुनकर राशि ले कए धागा नीक सकैत छथि आ ऑल इंडिया वीवर्स सोसाइटी स जुडि कए अपन उत्पाद क मार्केटिंग सेहो करि सकैत छथि। एहि स बुनकर क बेरोजगारी सेहो दूर होएत। श्री पाटिल क्षेत्रीय हस्तकरघा बुनकर सहयोग संघ क बैसार मे भाग लेबा लेल लखनऊ स भागलपुर आएल छलाह। ओ स्वीकार केला जे भागलपुर क बुनकर काफी दयनीय स्थिति मे छथि। ऋण लेबा लेल आ उत्पाद लेल बाजार ताकब हिनका सब लेल कठिन भ चुकल अछि। श्री पाटिल कहला जे बुनकर कोनो कलस्टर स जुडि कए काज कए सकैत छथि आ एकर बदला मे हुनका एक स पांच लाख टका तक भेटत। बुनकर दिल्ली स्थित ऑल इंडिया वीवर्स सोसाइटी स जुडि कए अपन उत्पाद बेच सकैत छथि। बुनकर कए सस्ते दर पर धागा आ काज करबा लेल टका भेटत। संगहि हुनका उत्पाद बेचबा लेल बेहतर बाजार उपलब्ध होएत। हुनका काज भेटबा मे सेहो कोनो दिक्कत नहि रहत।