• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

भ्रष्टाचार क खिलाफ नीतीशक जंग, सिद़दीकी कहला संग छी हम

December 8, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स्वच्छ राजनीति आ भ्रष्टाचार उन्मूलन क दिशा मे दूटा पैघ पहल कैलाह। पहिल त विधानमंडल मे भ्रष्टाचार क खिलाफ जंग छेड़बाक एलान केलथि, दोसर विधायक स अनुरोध केलथि जे ओ विधायक निधि समाप्त करबाक साहस दिखाबथि।
विधानमंडल मे राज्यपाल क अभिभाषण पर पेश धन्यवाद प्रस्ताव पर भेल बहस क बाद सरकार क जवाब दैत ओ भ्रष्टाचार क खिलाफ जंग छेड़बाक एलान केलथि। भ्रष्टाचार क खिलाफ जेतबा ताकत अछि हम सबटा लगेबा लेल तैयार छी। भ्रष्टाचारी अगर ताकतवर छथि त हमरा उखाड़ि फेंकथि। नीतीशक एहि एलान पर नेता प्रतिपक्ष अब्‍दुलबारी सिदद्दीकी ठार भ कहला जे विपक्ष सरकारक एहि जंग मे समान भागीदार बनत। नीतीश कुमार कहला जे भ्रष्टाचारी क संपत्ति जब्त करबा लेल बनल कानून कए राष्ट्रपति अपन मंजूरी द देलथि अछि आ ओ दिन ऐतिहासिक होएत जखन एहन कोनो पहिल केस मे सजा होएत। प्रदेश नहि, बल्कि देश मे भ्रष्टाचारीक खिलाफ इ पैध संदेश होएत। ओ कहला जे भ्रष्टाचारीक आलीशान मकान मे स्कूल खोलल जाएत। मुख्यमंत्री कहला जे भ्रष्टाचार क कईटा मामला पर कार्रवाई चलि रहल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे कहला जे अफसर आ मंत्री कए हर साल सम्पत्ति क ब्योरा देबाक अछि। हम सेहो हर साल इ ब्योरा सार्वजनिक करब।
मुख्यमंत्री कहला जे कोसी त्रासदी क पीड़ित क मकान बनत आ प्रत्येक घर पर 55 हजार टका खर्च कैल जाएत। ओ कहला जे बिहार क उपेक्षा करि दिल्ली मे कियो शासन नहि करि सकैत अछि।
मुख्यमंत्री कहला जे हम सब दिन-राति एक करि जनता लेल काज करि आ अधिकारी जनता क शोषण करथि, इ आब संभव नहि। एहिलेल लोकसेवा क अधिकार कानून बना रहल छी। समय सीमा क अंदर अधिकारी कए जनता क काज करबाक अछि।
सांझखन अपन आवास पर राजग विधायक क बैठक मे मुख्यमंत्री विधायक स अनुरोध केलथि जे ओ विधायक निधि समाप्त करबाक साहस दिखाबैथि। हुनकर कहब छल जे एहि स विधायक क छवि खराब होइत अछि।
ओ विधायक कए कहला जे सत्र क तुरंत बाद क्षेत्र मे जा जनता स गप करू आ स्थानीय स्तर पर योजनाक सत्यापन करू। ओ कहला जे लगातार जनता स संपर्क राखब तखने जनता क आकांक्षा पर खरा उतरब। जे अपार जनमत भेटल अछि, ओहि पर गुरूर करबाक कोनो आवश्यकता नहि अछि। जतए कोनो शिकायत अछि, ओकर तुरंत निदान करू। अपन-अपन क्षेत्र क विकास क रूपरेखा तैयार करू। ओ कहला जे विधायक क फोन नंबर सार्वजनिक हुए आ फोन पर 18 घंटा ओ उपलब्ध रहथि। मुख्यमंत्री सदस्य कए विधायी कार्य बुझबाक सलाह देलथि। कहला जे विधानमंडल कार्यसंचालन क नियमावली क अध्ययन करू। पढ़बाक आदत लगाउ। बिना अध्ययन कए अहां नीक विधायक या विधान पार्षद नहि भ सकैत छी। उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी सदस्य कए कहला जे अहां सब कए दुनिया देखी रहल अछि, बढ़िया आचरण बनेने रहू, नहि त अहांक संग-संग सरकार आ राज्यक छवि धूमिल होएत। ओ कहला जे सदन मे नियमित आउ आ अधिकारी स व्यवहार बेहतर राखू। राजग क प्रदेश संयोजक नंदकिशोर यादव कहला जे जबरदस्त जनादेश स जिम्मेदारी बढ़ल अछि,एकरा हरदम मन राखू।

Tags: नीतीशबिहारराजगराजद

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

विद्यालय मे बहाल शिक्षक नियमित छथि: नीतीश

Esamaad Epaper Website

तैयार भ रहल अछि एजेंडा फार गवर्नेस

Esamaad Epaper Website

बिहार मे बंद होएत विधायक निधि

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि