पटना । विधानसभा मे पेश भेल आम बजट मे आवासीय आ व्यवसायिक परिसर क बिल्डर कए परिसर क विक्रय मूल्य पर एक प्रतिशत क दर स कर लगेबाक प्रस्ताव देल गेल अछि। एहिना ईट भट्टा क वार्षिक कर मे 15 प्रतिशत क वृद्धि क प्रस्ताव अछि। तम्बाकू आ तम्बाकू उत्पाद पर कर क वर्तमान दर कए साढ़े 13 प्रतिशत स बढ़ाकए 20 प्रतिशत करबाक प्रस्ताव अछि।
व्यापार विचलन रोकबा लेल सिगरेट उत्पादन मे इस्तेमाल भ रहल कच्चा तम्बाकू पर प्रवेश कर आठ प्रतिशत स घटाकए चारि प्रतिशत करबाक प्रस्ताव अछि। एहिना राज्य मे झाडू, काजर, मेहदी, मखान, सेवई, सिघाड़ा, सिघाड़ क आटा आ रामदाना कए कर मुक्त करबाक प्रस्ताव अछि। एहिना अखबार मे प्रयोग भ रहल न्यूज प्रिंट कए प्रवेश कर स मुक्त कैल जाएत। लघु आ सुक्ष्म श्रेणी क औद्योगिक इकाई द्वारा अंतरराज्यीय ब्रिकी क क्रम मे लागि रहल बिक्री कर कए दू प्रतिशत स घटाकए एक प्रतिशत करबाक प्रस्ताव अछि। कोनो प्रकार क लाभ लेल काज नहि करनिहार संस्था द्वारा संचालित धर्मशाला, विवाह भवन आ सामुदायिक भवन कए विलासिता कर स मुक्त करबाक प्रस्ताव अछि।
मोटरसाइकिल समेत चार लाख तक क निजी उपयोग क वाहन पर एक मुश्त कर कए पांच प्रतिशत स बढ़ा कए छह प्रतिशत करबाक आ चारि लाख स बेसी दाम क गाड़ी पर सात प्रतिशत एक मुश्त कर लगेबाक प्रस्ताव अछि।