पटना। मधुबनी मे मिथिला चित्रशाला संस्थान क स्थापना भ रहल अछि। एहि ठाम मिथिला पेंटिंग मे एकवर्षीय डिप्लोमा आ दू वर्षीय डिग्री कोर्स शुरू कैल जाएत। एकरा लेल करीब छह करोड़ टका क आवंटन कैल जा रहल अछि। संस्थान लेल 3.10 एकड़ भूमि क व्यवस्था मधुबनी नगर परिषद करि देलक अछि। विधान परिषद क सभापति ताराकांत झा क अनुसार सोमदिन हुनक कक्ष मे कला,संस्कृति आ खेल मंत्री सुखदा पाण्डेय आ पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू क भेल बैसार मे एहि योजना कए स्वीकार करि लेल गेल। श्री झा कहला जे शुरु संस्थान मे मिथिला पेंटिंग क अध्ययन नहि केवल प्रशिक्षण भेटत। संस्थान मे 50 प्रतिशत सीट महिला लेल आरक्षित कैल गेल अछि। श्री झा क अनुसार डिप्लोमा आ डिग्रीधारी कए रोजगार क कमी नहि होएत। सभापति संस्थान कए बेहतर बनेबा लेल जापान स सेहो पत्राचार केलथि अछि। संस्थानक खास गप इ होएत जे एकर परिसर में निदेशक स लकए शिक्षक तक लेल आवास क व्यवस्था होएत आ छात्र -छात्रा लेल छात्रावास क निर्माण होएत। संस्थान लेल शिक्षक क नियुक्ति एकटा चयन प्रक्रियाक तहत कैल जाएत। भवन निर्माण लेल विशेष परियोजना प्रतिवेदन तैयार भ चुकल अछि।
Badd neek samachar delahun achhi. Ehi sa Mithila chitrakalak aur adhik vikash hoyat.