• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मधुबनी मे खुलल हार्ट हॉस्पीटल

November 16, 2009
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

hatमिथिलांचल क विकास क बिना बिहार क तरक्की संभव नहि : नीतीश
मधुबनी । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे जाहि दिन हम बिहारी सेहत आ शिक्षा क क्षेत्र मे मजबूत भ जाइब तहिया हमर मुकाबला करबाक ककरो हिम्मत नहि होयत। ओ मधुबनी क राजनगर प्रखंड क मंगरौनी गांव क नवरतन स्थित जाह्ववी चंद्रकांत ठाकुर स्मारक न्यास इकाई द्वारा स्थापित हर्ट हास्पीटल क फीता काटिकए उद्घाटन क बाद आयोजित कार्यक्रम कए संबोधित करि रहल छलाह। ओ कहल जे हमरा स जे विकसित, आत्मनिर्भर बिहार बनेबाक सपना देखलथि अछि हुनके समवेत प्रयास क दिशा मे इ सुदूर ग्रामीण क्षेत्र मे स्थापित 50 शय्या क आधुनिक सुविधा स लैस हार्ट हास्पीटल अछि। राज्य क प्रसिद्ध हृदय रोग विशेषज्ञ डॉ एके ठाकुर एहि हार्ट हास्पीटल ग्रुप क चेयरमैन छथि। कुमार कहला जे एके ठाकुर चिकित्सा जगत मे त राष्ट्रीय स्तर पर अपन पहचान बनेने छथि, एहि ग्राम्यांचल मे इ हास्पीटल बनाकए ऐतिहासिक काज केलथि अछि। सीएम मिथिलांचल क अन्य सपूत कए सेहो एहि तरह क जनहित क कार्य करबाक अपील केलाह। मुख्यमंत्री कहला जे डॉ ठाकुर अपन मातृभूमि क कर्ज उतारबाक पुनीत कार्य केलथि अछि। ओ साढ़े चारि करोड़ क लागत स बनल हार्ट हास्पीटल क लेल डॉ एके ठाकुर कए बधाई दैत हुनका हर संभव सहयोग क आश्वासन देलाह। सीएम कहला जे जखन धरि मिथिलांचल क विकास नहि होयत बिहार क विकास संभव नहि। ओ कहला जे बाहर रहैत छथि आ जे मिथिलांचल क पैघ हस्ती छथि हम दूनू गोटे स आग्रह करैत छी जे ओ एहि ठाम उद्योग लगाबथि। राज्य सरकार हर सुविधा देबा लेल तैयार अछि। हाल क दिन मे विभिन्न प्रदेश मे बिहारी क विरुद्ध जारी बयानबाजी क चर्चा करैत कहला जे अगर बिहारी नहि होइते त पंजाब मे हरितक्रांति नहि भ सकिते। बिहार क बिना देश क कोनो उद्योग नहि चलि सकैत अछि। किछु शरारती तत्व बिहारी कए अपमानित करबाक साजिश कहियो महाराष्ट्र, कहियो असम त कहियो मध्य प्रदेश मे करैत रहैत छथि। एकर जेतबा निंदा कैल जाए से कम अछि। मुख्यमंत्री कहला जे हम भीख नहि मंगैत छी, बल्कि काज क बदला मे वाजिब हक लैत छी। हम बिहार क अपमान नहि सहि सकैत छी। हर स्थिति स निबटबा लेल सब मिलकए डटिकए मुकाबला करब।
बिहार मे सबस पैघ चुनौती बेरोजगारी क अछि। हम अपन उद्योग नीति कए सेहो काफी सरल बना देलहुं अछि। कार्यक्रम कए संबोधित करै पूर्व मुख्यमंत्री डॉ जगन्नाथ मिश्र कहला जे मिथिलांचल क ऐतिहासिक गांव मंगरौनी क इ अस्पताल वरदान साबित होयत। पंडित ताराकांत झा कहला जे उत्तर बिहार मे इ अस्पताल नव कीर्तिमान स्थापित करत। स्वास्थ्य मंत्री नंद किशोर यादव कहला जे बिहार सरकार मुख्यमंत्री के नेतृत्व मे स्वास्थ्य क क्षेत्र मे निरंतर कार्य करि रहल अछि। मंत्री रामाश्रय प्रसाद सिंह कहला जे इ अस्पताल एहि क्षेत्र क लेल मील क पत्थर साबित होयत। कार्यक्रम कए दिल्ली क सांसद महाबल मिश्र, विधायक विनोद नारायण झा, रामदेव महतो, रामप्रीत पासवान आदि सेहो संबोधित केलथि। मंच पर हरि प्रसाद साह, सांसद हुक्मदेव नारायण यादव, विधान पार्षद विनोद चौधरी, प्रो. विनोद सिंह, भाजपा जिलाध्यक्ष घनश्याम ठाकुर, जदयू जिलाध्यक्ष सत्येन्द्र कामत, डा. फैयाज अहमद सेहो छलाह। उद्घाटन कार्यक्रम क बाद सीएम अस्पताल परिसर क सब भवन क निरीक्षण सेहो केलथि। एहि अवसर पर संस्कृत क प्रख्यात विद्वान पंडित आद्याचरण झा मुख्यमंत्री सहित अन्य अतिथि कए पाग-दोपटा पहनाकए स्वागत केलथि।

Tags: madhubanimithilaमधुबनी

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

हुकुमदेवक उपेक्षा, जगन्नाथक सम्मान किया

Esamaad Epaper Website

25 माडल कालेज कए भेटल हरी झंडी

Esamaad Epaper Website

आब साफ्टवेयर साल्यूशन इ सेहो बताउत- कतय भेटत सड़क क जमीन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि