पटना। अलीगढ़ मुस्लिम यूनिवर्सिटी क बिहार मे शाखा खुलबा स गरम भेल राजनीतिक बीच इ समाद सेहो भेट रहल अछि जे बिहार मे शीघ्र बनारस हिन्दू विश्वविद्यालय क शाखा सेहो खुलत। एकरा लेल मधुबनी मे जगह ताकल जा रहल अछि। सूत्र क कहब अछि बीएचयू प्रशासन बीएचयू मे दरभंगा महाराजक योगदान कए देखैत इ शाखा दरभंगा मे खोलबाक इच्छा जाहिर केलक अछि, मुदा दरभंगा मे दू-दू टा विश्वविद्यालय पहिने स अछि आ जमीनक सेहो दिक्कत अछि ताहि लेल मधुबनी मे बीएचयू क शाखा खोलबाक योजना तैयार भ रहल अछि। ओना एखन धरि बीएचयू या बिहार सरकार अधिकारी एहि संबंध मे किछु कहबा स कतरा रहल छथि।ओना मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि संबंध मे एतबा जरूर संकेत देलथि जे अगर बिहार मे बनारस हिन्दू विश्वविद्यालय क शाखा खोलबाक कोनो प्रस्ताव आउत, त ओकरो जमीन देबा लेल सरकार तैयार अछि। ओ कहलथि जे एखन धरि एहि संबंध मे कोनो प्रस्ताव नहि आएल अछि। नीतीश कहलथि जे ओ चाहैत छथि जे केन्द्रीय विश्वविद्यालय स्तर क पढ़ाई राज्य मे उपलब्ध भ सकै। ओ साफ कहलथि जे अलीगढ़ मुस्लिम यूनिवर्सिटी क मुद्दा पर कोनो राजनीति नहि हेबाकचाही। एहि मे सब समुदाय क लोक पढ़त। इ केवल भ्रम अछि जे एहि विश्वविद्यालय मे बस मुस्लिम पढ़त। जखन हमरा लग इ प्रस्ताव आयल, त बहुत खुशी भेल। मुख्यमंत्री कहला जे एखनो बिहारी पैघ संख्या मे अलीगढ़ मुस्लिम यूनिवर्सिटी मे पढ़ैत छथि। अगर इ सुविधा अपन राज्य मे भेट रहल अछि त छात्र क संग-संग अभिभावक कए सेहो राहत भेटत। मुख्यमंत्री कहला जे बिहार मे शिक्षाक विकास लेल ओ आओर केंद्रीय विश्वविद्यालयक शाखा खोलबा लेल तैयार छथि। एकरा लेल जमीनक कोनो दिक्कत नहि अछि।