कामेश्वर सिंह क कृति पर सब साल होएत संगोष्ठि : चौधरी
सावित्री कुमारी
कामेश्वरनगर (दरभंगा)। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क कुलपति प्रो साकेत कुशवाहा कहलथि जे महाराजा कामेश्वर सिंह हुनकर प्रेरणास्रोत छथि। पूर्व सांसद आ संविधान सभाक सदस्य महाराजा कामेश्वर सिंह क 54वां पुण्यतिथि क अवसर पर आयोजित कार्यक्रम में श्री कुशवाहा कहलथि जे महराजा बहुत कम अवधि मे बहुस रास कात कए संपादित केलथि। ओ कहला जे कामेश्वर सिंह जेना काज कए शुरु केलथि ओ अगर जारी रहिते त क्षेत्र क स्वरूप किछु आओर होइते। आइ जरुरत अछि हुनकर देखाउल बाट पर आगू बढी। बहुत काज एखन बाकी अछि जे हमरा सब कए पूरा करबाक अछि। श्री कुशवाहा कहलथि जे कामेश्वर सिंह बहुत रास क्षेत्र मे महत्वपूर्ण काज केलथि, मुदा शिक्षाक क्षेत्र मे हुकर योगदान उल्लेखनीय अछि। जा धरि लोक शिक्षित नहि होएत ता धरि समाजक विकास संभव नहि अछि। कुलपति महाराजा कामेश्वर सिंह क जयंती आ पुण्यतिथि कए विश्वविद्यालयक कलेंडर में शामिल करबाक सेहो इच्छा जाहिर केलथि। ओ कहलथि जे एहन विभूतिक पुण्यतिथि या जयंती सब साल समान उत्साह स मनाउल जेबाक चाही आ एकरा औपचारिकाता मात्र नहि बुझल जाये।
एहि अवसर पर पूर्व विधान पार्षद आ महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह चेयर क निदेशक बिनोद चौधरी कहला जे अपन पूर्वज कए स्मरण करब हमर सबहक धर्म थीक। ओ कुलपति कए आश्वासन देलथि जे महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह चेयर सब साल नियमित रूप स महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह क जयंती आ पूण्यतिथि पर कार्यक्रम आयोजित करत, संगहि महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह चेयर हुनकर काज आ विजन पर समय समय पर संगोष्ठि क आयोजन सेहो करत। कार्यक्रम मे कुलानुशासक अजय नाथ झा, कुलसचिव मुनेश्वर यादव, भू संपदा पदाधिकारी एसपी सुमन समेत कई गोटे अपन अपन विचार रखलथि।