नई दिल्ली। दिल्ली मे रविदिन आतंरिकसुरक्षा पर मुख्यमंत्रीक सम्मेलन मे एक बेर फेर सिद्ध भ गेल जे अपराध आ आतंक स लड़बा मे सेहो केंद्र बिहार कए नजर अंदाज करैत रहल अछि। दूनू राज्यक मुख्यमंत्रीक मांग इ साफ करैत अछि जे एहि देश मे क्षेत्रीय असंतुलन चरम पर पहुंच चुकल अछि। एक दिस जतय महाराष्ट्र कए मानवरहित युद्धक विमान (अनमैन्ड एरियल व्हीकल-यूएवी) चाही, ओतहि बिहार कए एखनो अपन थाना क ढांचा ठाड़ करबा लेल गृह मंत्रालय क मदद क दरकार अछि!
ओना त देशक सबटा मुख्यमंत्री सम्मेलन मे खुली कए अपन मांग रखलथि, मुदा सबस दिलचस्प मांग महाराष्ट्र क मुख्यमंत्री अशोक चह्वाण क रहल। ओ नक्सली हमला स मुकाबला करबा लेल मानवरहित युद्धक विमान क मांग केलथि। हुनकर कहब छल जे सुदूर आ घन झाड़ीवाला इलाका मे नक्सली क ठिकाना उड़ेबा लेल महाराष्ट्र कए यूएवी क जरूरत अछि। चव्हाणक एहि मांग पर उग्रवाद स ग्रस्त राज्यक मुख्यमंत्री सब चकित भ गेलाह। रमन सिंह, नीतीश कुमार आ नवीण पटनायक टकटकी लगा गृहमंत्री दिस देखैत रहलाह। चिदंबरम चह्वाण क मांग इ कही कए खारिज करि देलथि जे एखन ओ शहरी या ग्रामीण इलाका मे एकर उपयोग नहि करि रहल छथि। एकर बाद चह्वाण इरिडियम सेटेलाइट फोन क दरकार बतेलर्थि। इ फोन हल्का आ घन जंगल मे सेहो प्रभावशाली होइत अछि।
मुदा एकरा लेल सेहो गृहन्मंत्री आश्वासनक अलावा किछु नहि कहलथि। एक दिस जतय यूएवी सन यंत्रक मांग भ रहल छल जे फिलहाल सबस बेसी इस्तेमाल अमरीकी सेना अफगानिस्तान मे तालिबान क ठिकाना पर हमला क लेल करि रहल अछि, ओतहि दोसर दिन बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार गृह मंत्रालय स बिहार मे थाना क बुनियादी ढांचा ठीक करबा लेल मददक गुहार लगा रहल छलाह। नीतीशक मांग पर चिदंबरम कहला, जे सामान गृह मंत्रालय अपन सुरक्षा बल क लेल कीन रहला अछि, ओ अगर राज्य कहत त ओकर जरूरत क ध्यान रखैत कीनल जा सकैत अछि।